भोटेकोशी बाइढ़ : १४ शव पहिचान, ८१ गोटेके डिएनए सङ्कलन


नारायणगढ (चितवन), ३१ भादब : रसुवाके भोटेकोशीमे आएल बाइढ़के बाद चितवनमे ३ सओ ६४ गोटेके शव भेटल अइछ । ओइमध्ये १४ शवके पहिचान भेल अइछ । हेरा रहल व्यक्तिके पहिचानक लेल ओकरासभक ८१ गोटे परिवारके डिएनए नमूना सङ्कलन कएल गेल अइछ ।

जिला प्रहरी कार्यालयके प्रहरी उपरीक्षक रामेश्वर पौडेलके कहब अनुसार अखनधैर जिलामे भेटलमध्ये अधिकांश शव पहिचान नै होबाक अवस्थामे भेलासँ डिएनए परीक्षण तथा कानुनी प्रक्रियामार्फत व्यवस्थापन कएल गेल अइछ । पहिचान खुलल शव आवश्यक कानुनी प्रक्रिया पूरा क परिवारके जिमा लगाएल गेल ओ जानकारी देलैन ।

पहिचान नै खुलल ३ सओ ४९ शवके सुरक्षित व्यवस्थापन कएल गेल प्रहरी उपरीक्षक पौडेल बतौलैन । हाल एकटा शवके मात्र व्यवस्थापन करबाक बाँकी अइछ । व्यवस्थापन कएल गेल सब शवके डिएनए नमूना सुरक्षित राखल गेल ओ बतौलैन ।

हेरा रहल व्यक्तिके पहिचान खुलेबाक लेल प्रहरी परिवारजनके डिएनए नमूना सङ्कलनकेँ सेहो प्राथमिकता देने अइछ । डिएनए नमूना सङ्कलन क विधिविज्ञान प्रयोगशाला पठाएलल गेल अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय