चिलिमेमे चाइर आ अप्पर त्रिशूलीमे पाँचटा शव भेटल


रसुवा, ३१ भदब : चिलिमे जलविद्युत केन्द्रके सुरुङ उत्खननके क्रममे विद्युत गृह क्षेत्रसँ आइ तीनटा शव आ एकटा मानव अङ्ग भेटल अइछ ।

नेपाली सेनाके नेतृत्वमे खटल सशस्त्र प्रहरी बल आ नेपाल विद्युत प्राधिकरणके जनशक्तिसहित भारतीय सेना सम्मिलित खोज तथा उद्धार टोली केन्द्रक विद्युत गृह क्षेत्रसँ शव बरामद कएने रसुवाके प्रमुख जिला अधिकारी कमल प्रसाद पाण्डे जानकारी देलैन ।

हुनक कहब अनुसार इएह भादब १० गते भोटेकोशी नदीमे आएल बाइढ़सँ उक्त जलविद्युत केन्द्रके परिसरमे रहल भवन तथा दिवाल दहाएल तथा सुरुङ बन्द भेल अवस्थामे नेपाली सेनाके नेतृत्वमे खटल उद्धार टोली उक्त शव बरामद केलक अइछ ।

बाइढ़ आएल दिन उक्त जलविद्युत केन्द्रके भोरका सिफ्टमे एक गोटे इन्जिनियर, दू गोटे सुपरभाइजर, दू गोटे चौकीदार आ एक गोटे कार्यालय सहयोगीसहित छ गोटे कर्मचारी कार्यरत रहल केन्द्रके वरिष्ठ सहायक कमल बहादुर खरेल जानकारी देलैन । नेपाली सेना सुरुङमे सकभैर जल्दी प्रवेश क उक्त जलविद्युत केन्द्रमे फसल कर्मचारीके उद्धारक काजकेँ सहयोग करबाक लेल सदरमुकाम धुन्चेमे एकटा हेलिकप्टर तैयारी अवस्थामे राखने प्रजिअ पाण्डे बतौलैन ।

तहिना, खोज तथा उद्धारमे खटल सुरक्षाकर्मीके टोली उपरका त्रिशूली जलविद्युत आयोजना–१ के अडिट टनेलसँ आइ पाँच गोटेके शव बरामद केलक अइछ । उत्तरगया–१ दलदुङ नदीके ८ सओ मिटर भीतर सुरुङमे पहिचान नै होबाक अवस्थामे उक्त शव बरामद कएल गेल प्रहरी नायब उपरीक्षक अशोक थापा जानकारी देलैन । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय