काठमाण्डू, १ आसिन : सभामुख डोल प्रसाद अर्याल जग्गा हदबन्दीसम्बन्धी समस्या जल्दी समाधान करबाक लेल सरकारकेँ सुझाव देलैन अइछ । आइसँ सुरु भेल ‘९म नेपाल जग्गा तथा आवास एवं निर्माण प्रदर्शनी–२०८३’ के उद्घाटन करैत ओ हदबन्दीसम्बन्धी कानुनी जटिलता समाधान करबाक लेल सरकारकेँ गम्भीर होबाक चाही बतौलैन ।
घर जग्गाके क्षेत्रमे ५० सालधैर पुनःसंशोधन नै करैजका दीर्घकालीन, नागरिकमैत्री तथा भूगोल मिलैजका कानुन निर्माणके प्रक्रिया आगु बढ़ल ओ बतौलैन ।
वैदेशिक रोजगारमे जेबाक बाध्यता अन्त्य क देशमे मर्यादित रोजगारी सिर्जना करबाक लेल व्यवसायीकेँ प्रोत्साहन करबाक चाही तइपर सभामुख अर्याल जोड़ देलैन । घरजग्गा व्यवसाय आन्तरिक अर्थतन्त्रकेँ चलायमान बनेबाक, सिमेन्ट, सरिया, बैङ्क, बीमा आ पूर्वाधार निर्माण जेहन विभिन्न क्षेत्रकेँ जोड़बाक प्रमुख आधार भेल ओ बतौलैन ।
नेपाल चेम्बर अफ कमर्शके अध्यक्ष कमलेश कुमार अग्रवाल घर जग्गा, आवास आ निर्माण क्षेत्र नेपालक अर्थतन्त्रके मेरुदण्ड भेलासँ एकर संरक्षणके लेल सरकारके काज करबाक लेल जोड़ देलैन । हाउजिङ तथा रियल स्टेट कर्जाके लिलामी प्रक्रिया आगु बढ़ाबएसँ बेसी कर्जाके पुनरसंरचना करबाक चाही से हुनक कहब छलैन ।
नेपाल जग्गा तथा आवास विकास संघके अध्यक्ष इन्जिनीयर दीपक कुँवर जग्गा हदबन्दीके प्रावधानके कारण २ सओसँ बेसी घरजग्गा कम्पनीके सम्पत्ति आ राजस्व रुकल बतौलैन ।
नेपाल जग्गा तथा आवास विकास महासंघके अध्यक्ष विष्णु प्रसाद घिमिरे घरजग्गा खरिद करबाक आ हदबन्दीके कारण बिक्री नै क सकबाक नीतिके कारण व्यवसायीके समस्या भेल बतौलैन ।
‘सुरक्षित आवास, प्रत्येक नागरिकके अधिकार’ नारासहित आइसँ सुरु भेल उक्त प्रदर्शनीमे रियल स्टेट, बैङ्क, बीमा, वित्तिय संस्था, सौर्य उर्जा, रङ, फर्निचर, अस्पताललगायत एक सओसँ बेसी स्टल राखल गेल अइछ । मेला अगिला आसिन ४ गतेधैर चलत । (रासस)





