अदालतमे आइगजनी तथा हत्यासम्बन्धी विषयमे निष्पक्ष छानबीन करबाक माँग


काठमाण्डू, २ आसिनः राष्ट्रिय सभाक बैसारमे सदस्यसभ सर्वोच्च अदालतमे भेल आइगलगि तथा बालिका आ नवलपरासीक उनीमाया विकके हत्यासम्बन्धी घटनाक निष्पक्ष छानबीन करबाक माँग केलैन ।

बैसारक शून्य समयमे सदस्य विष्णुबहादुर विश्वकर्मा सर्वोच्च अदालतमे दिन-प्रतिदिन आइगलगिके घटना बइढ़ रहल कहैत एकर न्यायिक छानबीन करबाक माँग केलैन । सदस्य पूजा चौधरी बाराक तीन वर्षीय बालिका गाैरव चौधरीक हत्यामे संलग्न किछु व्यक्तिकेँ सामान्य तारेखमे छोड़ल गेल कहैत अइ सम्बन्धमे निष्पक्ष छानबीन करबाक माँग केलैन ।

सदस्य रुक्मिणी कोइराला नवलपरासीक विनय त्रिवेणी गाउँपालिका-३मे शेरबहादुर विक तीजके दिन अपन पत्नी उनीमायाके हत्या कएल गेल जनबैत उक्त घटनाक छानबीन करबाक माँग केलैन । सदस्य श्रीकृष्ण प्रसाद अधिकारी भोटेकोशी बाइढ़सँ प्रभावित रसुवाक मायाछोदिङ्मो आ गोसाइँकुण्ड गाउँपालिकामे तुरन्त दैनिक उपभोगक वस्तु, लत्ताकपड़ा आ दवाइक सहज आपूर्ति करबाक तथा सड़क सञ्जालसँ फेर जोड़बाक लेल सरकारक ध्यानाकर्षण करौलैन। (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय