काठमाण्डू, २ आसिनः प्रधानमन्त्री वालेन्द्र शाह जेनजी उमेर समूहके सांसदसभकेँ नयाँ सोचसँ अपने उदाहरण बनैत अपन पुस्ताक लेल स्वदेशेमे रोजगारी सिर्जना करैबला काज करबाक आग्रह केलैन अइछ ।
प्रधानमन्त्री तथा मन्त्रिपरिषदके कार्यालयमे आइ आयोजित अन्तरक्रियामे प्रधानमन्त्री शाह जनजीविका आधारभूत समस्या समाधानसङे अपन पुस्ताकेँ आत्मनिर्भर बनेबाक लेल अग्रसर होबाक आह्वान केलैन ।
अइ लेल ओ स्थलगत अध्ययन तथा अनुसन्धान, सूचना–प्रविधिके उच्चतम प्रयोग, समस्या समाधानमुखी व्यवहार अपनेबाक लेल आ पुरान तथा अव्यवहारिक सोच त्यागबाक सुझाव देलैन ।
संगे, राजनीतिकेँ पेसा नै बनाबैत आम्दानीके अलगे व्यावसायिक आधार खडा करैत दीर्घकालीनरूपमे आत्मनिर्भर आ प्रेरणाके स्रोत बनाब आग्रह केलैन । ओ कहलैन, “राजनीतिकेँ कमाबैबला माध्यम बनाबी, तँए सांसदसभ कोनो व्यवसाय करैत आत्मनिर्भर बनबाक चाही, सांसदके भूमिका पूरा भेलाक बाद अहाँसभकेँ आम्दानीके रस्ता आब किछो नै छै से चिन्ता नै करए पडए, अखनेसँ अलगे व्यवसाय सेहो शुरू करु ।”
अन्तरक्रियामे सहभागी जेनजी उमेरक सांसदसभ प्रधानमन्त्री शाहके ई आग्रहकेँ अभिभावकीय मार्गदर्शनके रूपमे लैत अपन पुस्ताकेँ आत्मनिर्भर आ स्वदेशेमे काम करबाक अवसर बनेबाक प्रतिबद्धता व्यक्त केलैन अइछ । जेनजी आन्दोलनके शहिद आ घायल, जेनजी आन्दोलनमे पकड़ाएल व्यक्ति, कानुन निर्माण, शिक्षा, स्वास्थ्य, पूर्वाधार निर्माण, सूचना तथा प्रविधि सङे अपन निर्वाचन क्षेत्र केन्द्रित मुद्दासभ प्रधानमन्त्रीसमक्ष राखने छल ।
अन्तरक्रियामे सांसदसभ बब्लु गुप्ता, खिमा विक, पुष्पा कुमारी चौधरी, श्रद्धा कुँवर क्षेत्री, स्मृति सेञ्चुरी, शिव शङ्कर यादव, केपी खनाल, मनिष खनाल, पुरुषोत्तम शुप्रभात यादव, सुलभ खरेल आ प्रशान्त उप्रेती सहभागी छलैथ । (रासस)





