धनुषा, १३ कातिक : मधेश प्रदेशमे ८ अरब ९९ करोड़ टकाके सहुलियतपूर्ण कृषि कर्जा लगानी भेल अइछ।
नेपाल राष्ट्र बैंकके अध्ययन प्रतिवेदनमे उल्लेख अइछ जे बितल आर्थिक वर्ष २०८२/८३मे बैंक तथा वित्तीय संस्थासभ उक्त नगद कृषि कर्जाक रूपमे प्रवाह भेल।
मधेश प्रदेशक आठ जिलामे धनुषामे १ अरब २ करोड़ टका अर्थात् १६.५४ प्रतिशत आ सबसँ कम सप्तरीमे ३० करोड़ टका अर्थात् ४.८७ प्रतिशत कर्जा प्रवाह भेल अइछ।
प्रतिवेदनअनुसार मधेश प्रदेशक अर्थतन्त्रमे कृषि, वन तथा मत्स्य क्षेत्रक योगदान महत्वपूर्ण अइछ। आर्थिक वर्ष २०८२/८३मे प्रदेशक कुल घरायसी उत्पादन (जिडिपी)मे अइ क्षेत्रक योगदान ३४.९७ प्रतिशत रहल अनुमान अइछ।
तहिना, सबसँ कम योगदान खानी तथा उत्खनन क्षेत्रक ०.१४ प्रतिशत रहल अनुमान अइछ। अइ अवधिमे मधेश प्रदेशक प्रतिव्यक्ति जिडिपी ९३४ अमेरिकी डलर रहल अनुमान कएल गेल अइछ।
कृषि उत्पादन दिस मधेश प्रदेशमे फलफूल खेतीसँ ३३.९९ प्रतिशत आ मसाला बालीसँ क्षेत्रके ४.४६ प्रतिशत बढ़ल अइछ। खाद्य तथा अन्य बालीमे कुल क्षेत्रके ४.४७ प्रतिशत आ तरकारी तथा बागवानीसँ कुल क्षेत्रकेँ १०.१५ प्रतिशत घटल प्रतिवेदनमे उल्लेख अइछ।
उत्पादन दिस तरकारी तथा बागवानीमे ०.५४ प्रतिशत आ फलफूलमे ४.९९ प्रतिशत वृद्धि भेल अइछ। खाद्य तथा अन्य बालीक उत्पादन ५.६९ प्रतिशत तथा मसाला बालीक उत्पादन ४.४४ प्रतिशत घटल अइछ।
पशुजन्य उत्पादनमे मासु आ अण्डाक उत्पादन क्रमशः १०.१९ आ ३.११ प्रतिशत बढ़ल तथा दूधक उत्पादन २.६७ प्रतिशत घटल अइछ। माछके उत्पादन ५.०५ प्रतिशत बढ़ल अइछ। वनजन्य उत्पादन दिस काठक उत्पादन ६०.५८ प्रतिशत आ जरनाके उत्पादन ७८.६२ प्रतिशत बढ़ल राष्ट्र बैंक जनौलक अइछ।
कृषि, माछपालन तथा वन क्षेत्रमे सेहो उल्लेख्य कर्जा प्रवाह भेल अइछ। २०८३ अखार महिनाधैर मधेश प्रदेशक बैंक तथा वित्तीय संस्थासँ अइ क्षेत्रमे ५९ अरब ८६ करोड़ ९० लाख टका कर्जा प्रवाह भेल अइछ। ई प्रदेशमे प्रवाह भेल कुल कर्जाक १२.१० प्रतिशत अइछ।
औद्योगिक क्षेत्र दिस बैंक तथा वित्तीय संस्थाक कर्जा प्रवाहमे सामान्य वृद्धि देखल गेल अइछ। बितल आर्थिक वर्ष औद्योगिक क्षेत्रमे प्रवाह भेल कर्जा ०.६८ प्रतिशत बइढ़ १ खर्ब २८ अरब ९७ करोड़ टका पहुँचल अइछ।
वितल आर्थिक वर्षमे उक्त कर्जा १ खर्ब २८ अरब ९ करोड़ टका छल। अध्ययनमे समेटल गेल प्रमुख उद्योगक उत्पादन क्षमता उपयोग औसतमे ६४.५९ प्रतिशत रहल प्रतिवेदनमे उल्लेख अइछ।
घरजमीन कारोबार दिस मधेश प्रदेशमे बितल आर्थिक वर्ष १ लाख १६ हजार २०७ टा घरजमीन रजिस्ट्रेसन भेल अइछ। अइसँ ३ अरब २२ करोड़ टका राजस्व सङ्कलन भेल अइछ।
बैंकिङ क्षेत्रक वित्तीय अवस्थाक हिसाबसँ २०८३ अखार महिनाधैर मधेश प्रदेशक बैंक तथा वित्तीय संस्थासभद्वारा परिचालित निक्षेप १७.३२ प्रतिशत बइढ़ क ४ खर्ब ७८ अरब ३७ करोड़ टका पहुँचल अइछ। ओइ अवधिमे कर्जा प्रवाह ०.१८ प्रतिशत घइट क ४ खर्ब ९४ अरब ९५ करोड़ टका कायम अइछ।
पूर्वाधार विकास दिस निजगढ अन्तर्राष्ट्रीय विमानस्थल, पूर्व–पश्चिम रेलमार्ग, हुलाकी राजमार्ग, काठमाण्डू–तराई–मधेश द्रुतमार्ग आ राष्ट्रपति चुरे तराई–मधेश संरक्षण कार्यक्रम अइ प्रदेशसँ सम्बन्धित प्रमुख आयोजना अइछ। अइसभमे हुलाकी राजमार्ग निर्माणक गति तुलनात्मक रूपमे तेज रहल प्रतिवेदनमे उल्लेख अइछ।
एहि बीच, वैदेशिक रोजगार लेल मधेश प्रदेशसँ श्रम स्वीकृति लेनिहारक सङ्ख्या उल्लेख्य अइछ। आर्थिक वर्ष २०८२/८३मे प्रदेशक १ लाख ७९ हजार ४१ गोटे वैदेशिक रोजगार लेल श्रम स्वीकृति लेने छैथ। ई देशभैरसँ श्रम स्वीकृति लेनिहार कुल सङ्ख्याक २२.६० प्रतिशत अइछ।
राष्ट्र बैंकक अध्ययन मधेश प्रदेशक अर्थतन्त्रमे कृषि क्षेत्रक उच्च योगदान, बैंकिङ कर्जा तथा निक्षेपक अवस्था, औद्योगिक गतिविधि, घरजमीन कारोबार आ वैदेशिक रोजगारक प्रवृत्तिक जानकारी देलक अइछ। (रासस)





