धनुषामे श्रीमान–श्रीमती मृत अवस्थामे भेटल


जनकपुरधाम, ८ कातिक : धनुषाके मिथिला बिहारी नगरपालिका–३ मथिलेश्वरमे श्रीमान–श्रीमती मृत अवस्थामे भेटल अइछ ।

नैहरमे रहैत आएल ३० वर्षीया रीना देवी यादवके गर्दनपर धरगर हतियार प्रहार कएल गेल अइछ । हुनक हत्या कएल गेल प्रहरीके आशङ्का अइछ । हुनक श्रीमान ३५ वर्षीय उमेश यादव घरसँ करिब एक किलोमिटर दूर गाछमे लटकल अवस्थामे आइ भोर मृत भेटल जिला प्रहरी कार्यालय धनुषाके प्रवक्ता प्रहरी नायब उपरीक्षक ओम प्रकाश खनाल जानकारी देलैन ।

मिथिला बिहारी–४ भरतपुर निवासी उमेश किछ दिन पहिने मात्रे वैदेशिक रोजगारीसँ घर घुरल छलैन । घटनाके एक दिन पहिने मात्रे ओ सासुर आएल छलैन । मृतक दम्पतीके चाइर वर्षक बेटा अइछ । बालकके एकटा जांघपर धरगर हतियार प्रहार कएल गेल प्रहरी नायब उपरीक्षक खनाल बतौलैन । प्रहरी नायब उपरीक्षक खनाल घटनाके प्रकृति शङ्कास्पद रहल बतौलैन । “घटनास्थल पहुँच क प्रहरी अनुसन्धान क रहल छै,” ओ कहलैन ।

घटनाके कारण तथा मृत्युके परिस्थितिबारे प्रहरी अनुसन्धान क रहल जनौलक अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय