प्रहरी आ सशस्त्रद्वारा तीन हजार ५ सओ ८५ यात्रीकेँ निःशुल्क बस सेवा


काठमाण्डू, ५ कातिक : नेपाल प्रहरी आ सशस्त्र प्रहरी बलद्वारा सञ्चालित निःशुल्क बस दशमीके अवसरमे काठमाण्डू उपत्यकामे तीन हजार ५ सओ ८५ यात्रीकेँ सेवा देलक अइछ ।

प्रहरी प्रधान कार्यालय अनुसार तीनटा सवारीसाधनमार्फत कातिक ३ गते ५ सओ १० आ कातिक ४ गते ८ सओ ९६ सहित एक हजार ४ सओ ६ यात्री निःशुल्क यात्राके सुविधा लेने अइछ ।

तहिना, सशस्त्र प्रहरीद्वारा सञ्चालित दूटा बससँ अष्टमी, नवमी आ दशमीके दिन दू हजार एक सओ ७९ यात्रीकेँ काठमाण्डू उपत्यकामे निःशुल्क सेवा देने सशस्त्र प्रहरीके सहप्रवक्ता शैलेन्द्र थापा जानकारी देलैन ।

दशमीके समयमे सार्वजनिक सवारीसाधनके कमी भेलाक कारण यात्रीके आवागमन सहज बनेबाक लेल ई सेवा देलक अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय