काठमाण्डू, १४ कातिकः अर्नब चक्रवातके अवशेषके रूपमे रहल न्यून चापीय क्षेत्रके प्रभाव देशक विभिन्न ठाममे भ रहल वर्षा आ हिमपात दुपहरबाद क्रमशः कम होइत मौसममे सुधार अएबाक भेल अइछ ।
जल तथा मौसम पूर्वानुमान महाशाखाअनुसार हाल न्यून चापीय क्षेत्र पश्चिमदिसके बागमती, गण्डकी, लुम्बिनी आ कर्णाली प्रदेशक बहुत स्थानमे तथा कोशी आ सुदूरपश्चिम प्रदेशक किछ स्थानमे मध्यम वर्षा आ हिमपात भ रहल अइछ । मधेश प्रदेशक किछ स्थानमे सेहो हल्का वर्षा भ रहल अइछ ।
उक्त मौसमी प्रणालीके प्रभाव दुपहरधैर मेघगर्जन आ ठण्कासहित हल्कासँ मध्यम वर्षा तथा उच्च पहाड़़ी आ हिमाली क्षेत्रमे हल्कासँ मध्यम हिमपात होबाक सम्भावना रहल महाशाखा जनौलक अइछ । किछ समय पहिने महाशाखा विशेष मौसम बुलेटिन निकाइल क उक्त जानकारी देलक अइछ । (रासस)





