लुम्बिनी (मर्चवार), ८ चैत : शहरी योजना, पूर्वाधार विकाश तथा विपद् व्यवस्थापन क्षेत्रमे उल्लेख्य कार्यसम्पादन कएने कहैत रुपन्देहीके सिद्धार्थनगर नगरपालिका देशभैरेके नगरपालिकामध्येसँ उत्कृष्ट बनल अइछ ।
नेपाल नगरपालिका सङ्घ आर्थिक वर्ष २०८०/८१ मे उत्कृष्ट कार्यसम्पादन कएल गेल कहैत सिद्धार्थनगरकेँ पुरस्कृत केलक अइछ । सङ्घके ३२म् स्थापना दिवसके अवसरमे काठमाण्डूमे आयोजित विशेष समारोहमे प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओली सिद्धार्थनगरके नगर प्रमुख इश्तियाक अहमद खाँ आ उपप्रमुख उमा अधिकारीकेँ उत्कृष्ट नगरपालिका पुरस्कार, २०८१ सँ सम्मानित कएल गेल अइछ।
सङ्घद्वारा ओइ विधामे प्रत्येक वर्ष देशभैरके नगरपालिकामध्ये उत्कृष्टकेँ पुरस्कृत करैत आएल अइछ । आव २०८०/८१ मे सङ्घ प्रदान करएबला पुरस्कार प्राप्त कएलासँ खुशी भ रहल सिद्धार्थनगरके प्रमुख खाँ बताैलैन । सङ्घ नगरपालिकासभके विभिन्न सूचक अनुसार पुरस्कार प्रदान कएल जाइत अइछ । ताहि आधारमे सिद्धार्थनगरकेँ उत्कृष्ट घोषणा कएल गेल अइछ । सिद्धार्थनगर प्रमुख खाँ सबके मेहनत आ योगदान नगरपालिका उत्कृष्ट भेल कहैत नगरवासीकेँ धन्यवाद देलैन ।“हमरासभ जनप्रतिनिधि, कर्मचारी, नगरवासीके योगदान उत्कृष्ट नगरपालिकाके पुरस्कार प्राप्त देबए सफल भेलाैँ”, ओ कहलैन, “ई सम्मान हमरासभकेँ एखनो कामप्रति आओर जवाफदेही बनाैने अइछ ।” अगिला दिनमे सब सूचकाङ्कमे पालिकाकेँ सर्वोकृष्ट होएबाक हिसाबे काज करब ओ कहलैन ।
सिद्धार्थनगर नगरपालिकाकेँ ८५ प्रतिशत अङ्क प्राप्त भेल नगरपालिका सङ्घ जनौलक अइछ । शहरी योजना, यातायात व्यवस्थापन आ खानेपानीमे सेहो नगरपालिका उत्कृष्ट कार्यसम्पादन कएने जनौलक अइछ ।रासस
—





