महिला निर्देशकद्वारा द्वन्द्व प्रधान चलचित्र ‘पीताम्बर’


काठमाण्डू, २० चैतः अभिनेता प्रदीप खड्काके अनुसार, चलचित्र ‘पीताम्बर’मे अपन पात्रकेँ तैयार करबाक लेल हुनका द्वन्द्व प्रशिक्षण लिए पड़ल। चलचित्र ‘पीताम्बर’के श्रव्यदृश्य (ट्रेलर) सार्वजनिक करबाक उद्देश्यसँ आयोजित पत्रकार सम्मेलनमे अभिनेता खड्काक कहलैन “अपन पात्रकेँ सजीव बनेबाक लेल हम शारीरिक तौल कम -बेसी करएसँ ल क आवश्यक तैयारी कएलाैँ।”

ओ कहलैन, “निर्देशक आ निर्माता सबके टीम हमरा कहलैन जे ई भूमिका हमरा लेल उपयुक्त छै आ एकर तैयारी करए पड़त, तँए हम अपन स्तरसँ पूरा प्रयास कएलाैँ। पहिने हम एकटा सामाजिक विषयसँ जुड़ल चलचित्र लेल तौल घटेने रही, मुदा एहि चलचित्र लेल तौल बढ़ा क अपन पात्र अनुसार बनेलाैँ। एकटा महिला निर्देशकद्वारा द्वन्द्व प्रधान चलचित्र बनाएत से बात सुइन हम अपन स्तरसँ भरपूर मेहनत कएलाैँ।”

ओ कहलैन जे बिना कोनो सम्झौताक चलचित्र तैयार भेल अइछ आ सामाजिक विषयकेँ द्वन्द्व शैलीमे प्रस्तुत कएल गेल छै। प्रेमकथानक चलचित्रसभमे प्रमुख रूपसँ अभिनय करएबला खड्का पहिलबेर एहन किसिमके द्वन्द्व प्रधान चलचित्रमे अभिनय कएलैन। चलचित्रके निर्देशक कृषा चौलागाईं कहलैन “महिला निर्देशक होएबाक कारणसँ विधागत रूपे कमजोर बुझैबला लोक सबकेँ हमर काजे उत्तर देत।”

“बड्ड लोककेँ संदेह छल जे एकटा महिला निर्देशक एतेक कलाकार आ प्राविधिकक समन्वयसँ कोना काज क सकै छै? तँए ई हमरा आओरो मेहनत करए लेल प्रेरित कएलक। चलचित्र भव्य बनल अइछ, जे सम्भव भेल सम्पूर्ण कलाकार आ निर्माण समूहक सहयोगसँ हम फिल्मकेँ उत्कृष्ट बनेबाक लेल कोनो सम्झौता नै कएलाैँ। जे लोक सोचैत छैथ जे महिलासभ केवल सामाजिक विषयक फिल्म बना सकैत छैथ, तिनका लेल हमर काजे उत्तर छै,” ओ कहलैन।

एहि चलचित्रमे अभिनेता प्रदीप खड्काक सङ दयाहाङ राई, सौगात मल्ल, आर्यन सिग्देल, अनुपविक्रम शाही, सुरक्षा पन्त, गौरी मल्ल, रवीन्द्र झा, प्रमोद अग्रहरि, कामेश्वर चौरासिया, टीका पहाड़ी, सुलभ पहाड़ी, सुरवीर पण्डित, विशाल पहाड़ी, दिव्यदेव पन्त, सुपुष्पा भट्ट, दिव्या रायमाझी, गौरव विष्ट आदि कलाकारसभ अभिनय कएने छैथ।

चलचित्रक निर्माता विशाल चौलागाईं छैथ। पुरुषोत्तम प्रधानद्वारा छायांकन निर्देशन, प्रदीप भारद्वाज आ अभिमन्यु निरवीद्वारा बेरथा एवम् संवाद लेखन, शेरबहादुर लामा आ मानकृष्ण महर्जनद्वारा छायांकन, बन्दे प्रसादद्वारा सम्पादन, आशीष अविरल आ बाबुल गिरीद्वारा संगीत निर्देशन तथा हिमाल केसीद्वारा द्वन्द्व निर्देशन कएल गेल अइछ।

ताजा खबर
लोकप्रिय