बैङकक, २२ चैत : बहुक्षेत्रीय प्राविधिक तथा आर्थिक सहयोगक लेल बङ्गालके खाडीके प्रयास (बिम्स्टेक) के छैठम् शिखर सम्मेलन शुरु भेल अइछ । बैङ्ककस्थित होटल साड्ग्रिलामे सदस्य मुलुकके सरकार प्रमुखसभके सामुहिक फोटोसेसन आ कार्यसूची टेबल करबाक साथे बिम्स्टेक सम्मेलन शुरु भेल अइछ ।
सदस्य मुलुकके प्रतिनिधिमण्डलक नेतासभकेँ आयोजक राष्ट्र थाइल्याण्डक प्रधानमन्त्री पे थोङ् थान् शिनावात स्वागत कएने गेल छल । सम्मेलनमे आइ प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओलीसहित सदस्य मुलुकके सरकार प्रमुखसभ सम्बोधन करबाक कार्यक्रम अइछ ।
शिखर सम्मेलनमे ‘बिम्स्टेक म्यारिटाइम ट्रान्सपोर्ट कोअपरेसन’मे हस्ताक्षरक बाद सदस्य मुलुकसभ थाइल्याण्ड, बङ्गलादेश, भूटान, भारत, म्यान्मार, नेपाल आ श्रीलङ्काके प्रधानमन्त्री (प्रतिनिधिमण्डलके नेता)सभक सम्बोधन कएल जाएत ।रासस





