हिराे मनोज कुमार आ हम


राेशन जनकपुरी
बलीवुडके एकटा दिग्गज कलाकार मनोज कुमारके आइ ८७वर्षके उम्रमे निधन भ’गेल । हमर एकटा मनपसन्द कलाकार । सरल अभिनय। प्राय: आम आदमीके प्रतिनिधित्व करैतसन ।
नेनपन आ किशोरावस्थाके बहुत रास स्मृतिसब जोड़ल अइछ मनोजकुमारके फिल्मसबसंगे। जनकपुरके ओ पुरना सिनेमा हल हनुमान टाकिज, नगरपालिका लगके । चाइर बेर क’ इन्टरभल, ओ ५५ पैसामे सइनदिन क’ विद्यार्थी कन्सेसनबला थर्ड क्लास के टीकट, ओ घरमे बाबूके जमा कयल पुरना आर्यावर्त अखबारमे स चोरा क’ सियाराम भगतकेे किराना दोकान पर बेच क’ सिनेमा देखनाई । आ पूरब और पच्छिम, उपकार, यादगार, क्रान्ति, रोटी कपड़ा और मकान आदि रोमानी देशभक्तिपूर्ण आ सामाजिक राजनीतिक चेतनाके फिल्मसब । ई फिल्म सबके उदात्तता स भरल देश आ समाज प्रति समर्पणके रोमानीपन । आब विचार करैछी त मनोजकुमारके अतीतमुखी दृष्टि स हम सहमत नइँ होब’ सकैछी, लेकिन हुनकर फिल्मसबमे अभिव्यक्त समय, मानवीयता आ सहिष्णुता मोहक अइछ। वैचारिकताके दृष्टि स मनोजकुमार हमर विगतके, किशोर मनके एकटा मोहक नोस्टाल्जिक हिस्सा अइछ। एकटा कलाकार स बेसी हमरा हुनक निर्देशकीय, निर्माता आ विषय वस्तुके चयनके क्षमता प्रभावित करैत छल । साहित्यकार एवम् विष्लेशक रोशन जनकपुरीको फेसबुक देवालसँ ।

ताजा खबर
लोकप्रिय