काठमाण्डू, २५ चैत : प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओली धरानवासीकेँ खानेपानी उपलब्ध कराबएके प्रक्रिया आगू बढ़ल बताैलैन अइछ ।
प्रधानमन्त्री तथा मन्त्रिपरिषद्के कार्यालय, सिंहदरबारमे आइ सुनसरीके धरान उपमहानरपालिकाके प्रमुख हर्कराज राईसहितके प्रतिनिधिमण्डलके भेटमे प्रधानमन्त्री ओली उक्त जानकारी कराैने छैथ । “धरानवासीके खानेपानी जरूरी छै । ई प्रक्रिया आइएसँ आगू बढ़ल अइछ । एकरा लेल सङ्घीय सरकार बजेटके प्रबन्धसहित अन्य विषयमे आवश्यक सहजीकरण भेल छै । ई सन्देश धरानवासीकेँ कइह देब”, प्रधानमन्त्री ओली कहलैन ।
खानेपानी आयोजनाक लेल विस्तृत परियोजना प्रतिवेदन सङ्घीय सरकारसँ अइसँ पहिने तैयार भ चुकल अइछ । नगर प्रमुख राई स्रोत सुनिश्चितताक लेल अइसँ पहिने अर्थ मन्त्रालयकेँ जानकारी देने छल । प्रधानमन्त्री ओली धरानके फोहर व्यवस्थापनके लेल परम्परागत नै भ आधुनिक प्रविधियुक्त ‘ल्याण्डफिल्डसाइट’ बनेबामे जोड़ देने छल । रासस





