बिपी अस्पतालक सेवा विस्तारमे सहयोग करब: सभापति देउवा


काठमाण्डू, ३० चैत : नेपाली कांग्रेसक सभापति एवम् पूर्वप्रधानमन्त्री शेरबहादुर देउवा बिपी स्मृति सामुदायिक सहकारी अस्पतालक सेवा विस्तारमे पार्टीद्वारा आवश्यक सहयोग देबाक प्रतिबद्धता व्यक्त कएलैन।

अस्पतालक १७म वार्षिक साधारणसभाक अवसरमे आयोजित कार्यक्रममे देउवाक अनुसार जननेता बिपी कोइरालाक नामपर आन ठामसभमे सेहो अस्पताल स्थापनाक प्रयास कएल जाएत।

ओ कहलैन “सहकारी संस्थाक रूपमे स्थापना भेल एहि अस्पतालमे शेयर होल्डर आ जनताके पैसाक सही सदुपयोग होएब आवश्यक अइछ।” देशक स्वास्थ्य क्षेत्रक विकाशमे बिपी स्मृति अस्पतालद्वारा कएल गेल योगदानक सराहना सेहो देउवाद्वारा कएल गेल।

कांग्रेसक नेता डा. शेखर कोइरालाक अनुसार संविधान संशोधनमे विलम्ब नै होएबाक चाही। कहलैन “संविधान संशोधन जते देरी हएत, ओते सड़कपर आक्रोश बढत।” एहिमे सत्ता साझेदारी पार्टीक समस्यामे नै होए, से सुनिश्चित करबाक लेल पार्टी नेतृत्व गम्भीर होएबाक आवश्यकतापर सेहो ओ जोड़ देलैन।

अस्पताल सञ्चालक समितिक अध्यक्ष उमेशजङ्ग रायमाझी कहलैन जे बिपी स्मृति अस्पतालक सेवा सातू प्रदेशमे विस्तार कएल जाएत।

अस्पताल सञ्चालक समितिक पूर्वअध्यक्ष डा. केदारनरसिंह केसी, डा. सुदामप्रसाद अधिकारी, अस्पतालक शेयरहोल्डर रवीन्द्रनाथ रेग्मी आदिक अनुसार बिपी कोइरालाक नामपर स्थापित अस्पतालकेँ एक उत्कृष्ट चिकित्सकीय केन्द्र बनेबाक लेल सम्पूर्ण पार्टी एकजुट भ  काज करबाक चाही। रादस

ताजा खबर
लोकप्रिय