सुनसरी गोलीकाण्डमे तीन गोटे गिरफ्तार


इनरुवा (सुनसरी), ३ वैशाख । सुनसरी जिलाक देवानगञ्ज गाउँपालिकामे भेल गोली प्रहारक घटनासँ सम्बन्धित तीन गोटेकेँ नियन्त्रणमे लेल गेल अइछ।

पकड़ाएल व्यक्ति सबमे देवानगञ्ज गाउँपालिका–७ निवासी २१ वर्षीय शिव कुमार मेहता, देवानगञ्ज–१ निवासी रवीन कुमार यादव आ पिन्टु यादव रहल जानकारी सुनसरीक प्रहरी उपरीक्षक सुमन कुमार तिम्सिना देलैन । गोली प्रहारक क्रममे शिव कुमार मेहता गम्भीर रूपसँ घायल भेल छैथ। हुनकर विराटनगरमे प्रहरीक निगरानीमे इलाज भ रहल अइछ।

प्रहरी उपरीक्षक तिम्सिनाक अनुसार एक गोटे समूहक व्यक्तिसभकेँ गिरफ्तार कएल गेल अइछ, मुदा घटनामे संलग्न दोसर समूहके तीन गोटे एखनो भागल छै, जिनकर खोजी भ अइछ। गोली चलेलाक आरोपमे कामेश्वर यादव सहित तीन गोटे भागल कहल गेल अइछ। पकड़ाएल आ भागल तीनू गोटेके सीमावर्ती क्षेत्रमे रइह क विभिन्न प्रकारक आपराधिक गतिविधिमे संलग्न रहल भेल तिम्सिना जानकारी देलैन।

ई घटनामे कुल छ गोटे संलग्न छल। प्रारम्भिक अनुसन्धानसँ पता चलल अइछ जे सब व्यक्ति आपराधिक पृष्ठभूमिक छैथ आ भारतमे ओ सबकेँ खोजी सूचीमे समावेश पहिनेसँ छल। गिरफ्तार रवीन यादव पूर्वमे गांजा तस्करीमे संलग्न छल आ किछु दिन पहिने पकड़ाएल छलैथ, मुदा ओकरा छोड़ाएलाक बादो फेर संलग्न भेल। गोली लागल शिव कुमार मेहताक अवस्था एखन गम्भीर अइछ ।रासस । प्रतिकात्मक तस्वीर : एआइ

ताजा खबर
लोकप्रिय