वीरगञ्ज (पर्सा), २ जेठः नेपाल बिमा प्राधिकरण मधेश प्रदेश कार्यालय चालु आर्थिक वर्षके नौ महिनामे जीवन बिमा शुल्कबापत ११ अरब १६ करोड़ ७९ लाख टका नगद सङ्कलन केलक अइछ । ओइ कार्यालय बितल वर्ष जीवन बिमा शुल्कदिस १४ अरब एक करोड़ २८ लाख टका सङ्कलन कएने छल ।
उक्त कार्यालयक प्रमुख प्रीति देव चालु आवके नौ महिनामे ८६ हजार ६७० जीवन बिमा कएने बतौलैन । कार्यालय सएह अवधिमे दू अरब ५४ करोड़ ६० लाख टका दाबी भुक्तानी केलक अइछ । एखनो ३९ करोड़ ६४ लाख टका दाबी भुक्तानी करबाक बाँकी रहल ओ जानकारी देलैन अइछ ।
प्राधिकरण जीवन बिमादिस सातु प्रदेशसँ चैत महिनाधैर एक खर्ब २७ अरब तीन करोड़ टका शुल्क सङ्कलन भेल अइछ । रासस






