साइबर’ कानूनकेँ विद्यालयमे पढ़ा रहल छै प्रहरी


ओखलढुंगा, ७ जेठ : साइबर अपराधसँ रोकथामक लेल छात्रसभक माध्यमसँ समुदायमे चेतना फैलेबाक लेल प्रहरीद्वारा एहि ठामँक विद्यालयसभमे साइबर कानून सम्बन्धी कक्षा संचालन कएल जा रहल अइछ।

कक्षा ९सँ १२ तकक छात्रसभकेँ प्रहरी पढ़ा रहल अइछ। सिद्धिचरण नगरपालिका–११ स्थित जाल्पा माध्यमिक विद्यालयसँ शुरुआत कएल गेल ई साइबर अपराध न्यूनीकरणबारे सचेतनामूलक कक्षा आब ओखलढुंगाके सबटा पालिकाके विद्यालयसभमे संचालन होबाक जानकारी जिलाक प्रहरी प्रमुख मदन केसी राष्ट्रिय समाचार समिति (रासस)केँ देलैन।

जाल्पा माध्यमिक विद्यालयक शिक्षक बेचन अधिकारी कहलैन जे ई अभियानसँ छात्रसभमे चेतनासभक विकास होइत अइछ आ समाजपर सकारात्मक असर पड़ैत अइछ। ओ कहलैन, “’प्रहरी हमर साथी’ कहैलेल एहन अभियानसँ सार्थकता भेटैत अइछ।”

ओही सङे जिलाक दुर्गम क्षेत्रक विद्यालयसभमे सेहो एहि तरहक कक्षा संचालन होएबाक आवश्यकता छै, मांग स्थानीयसभद्वारा कएल गेल अइछ। पूर्वमे सेहो जिला प्रहरी कार्यालयद्वारा बालविआह आ लागूपदार्थविरुद्ध विभिन्न विद्यालयसभमे कार्यक्रम संचालन कएने छल। रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय