बजेटमे कमला पुलके माँग, सिरहावासीद्वारा आन्दोलनके चेतावनी 


सिरहा, १२ जेठ (सुदीप राउत- रासस): मधेशक ‘जीवनरेखा’  हुलाकी सड़क अन्तरगत १४ वर्षसँ निर्माणाधीन सिरहा आ धनुषा जोडैबला कमला पुलके अगिला बजेटमे समेटबाक मांग सिरहावासीसभ कएलैन अइछ। समयमे पक्की पुल निर्माण पूरा करबाक आग्रह सरकारसँ कतेको बेर कएलाक बादो बेवास्ता भेल, ओहि लेल स्थानीय नागरिकसभ आक्रोशित बनल छैथ।

सिरहा नगरपालिका–६के वाडध्यक्ष इन्द्रजित यादव कहलैन, “अगिला जेठ १५ गते संघीय संसदमे पेश होएबला आर्थिक वर्ष २०८२/८३के बजेटमे यदि कमला पुलके स्रोत सुनिश्चित नै भेल तँ जनकपुरस्थित मुख्यमन्त्री तथा मन्त्रिपरिषद्क कार्यालय सामने पुनः अनशनमे करबाक बाध्य हएब।”

ओ कहलैन जे पछिला वर्ष अनशमे बैसल युवासभसँ भेल सहमतिसभ मधेश प्रदेश सरकारद्वारा कार्यान्वयन नै भेल। “वितल वर्ष प्रदेश सरकार केन्द्रसँ ठोस पहल करबाक वचन देने छल, मुदा परिणाम शून्य रहल। निरन्तर निरीक्षण तँ भेलै, मुदा पुल निर्माण नै भेल। आब आश्वासनक समय खत्म भ  गेल, काज देखेबाक समय छै,” कहलैन यादव। ओ आरोप लगाबैत कहलैक जे मधेशक जीवनरेखासँ जुड़ल विषयपर संघीय सरकार गम्भीर नै अइछ।

कमला पुल निर्माण संघर्ष समिति बना क स्थानीय वासिन्दा विगतसँ चरणबद्ध आन्दोलन करैत आइब रहल छै। संघर्ष समितिक संयोजक, अभियन्ता इञ्जीनियर प्रवीण यादव कहलैन, “कमला नदी प्रत्येक वर्ष एतहुका लोकके समस्या दैत अइछ। अस्थायी काठके पुल बरसातमे बहाए क ल जाइ छै, जाहिसँ नागरिकक आवत-जावत पूर्ण रूपेँ बन्द भ जाइ छै। सरकारसँ हम बजेट सुनिश्चित करबाक जोड़दार मांग करैत छी।”

पुलक अवस्था देखैत बितल वर्ष २०८१ भादब महिनामे सिरहाक १० युवा अभियान्ता जनकपुरमे आमरण अनशन कएने छल। चाइर बिन्दु सहमतिक आधारपर अनशन समाप्त कएने छल, जाहिमे पुल निर्माण प्रारम्भ, संघीय सरकारसँ पहल, वा प्रदेश सरकारक स्रोतसँ निर्माण करबाक संकल्प छल। मुदा, शैलेस यादवक अनुसार, “कोनो सहमति पालन नै भेल, आब फेर आंदोलन करबाक स्थिति बइन रहल अइछ। एखन बजेटमे पुल निर्माण सुनिश्चित होबाक चाही, नै तँ सशक्त आन्दोलन होएत।”

बीचमे बितल शुक्रदिन गृहमन्त्री रमेश लेखक स्थलगत निरीक्षण कएलक। ओ कहलक जे राज्यसँ चूक भेल छै, आ एखुनका सरकार एकर समाधान प्रति गम्भीर अइछ। ओ पुल पुनःनिर्माण शीघ्र आरम्भ करबाक प्रतिबद्धता व्यक्त कएलैन।

हुलाकी राजमार्ग निर्देशनालय योजना कार्यालय जनकपुर अनुसार, पुल निर्माणक ठिक्का लुम्बिनी बिल्डर्सके देल गेल छल, जे चैत महिनासँ काज बन्द क देने अइछ। ठिक्का तोड़बाक प्रक्रिया सुरू भेल छै।

निर्देशनालय अनुसार, पुल निर्माण अखार महिनाधैर पूरा करबाक अन्तिम अवसर देल गेल छल। पूर्वमे पप्पु कन्स्ट्रक्सन नामक कम्पनी तीन वर्षमे पुल बनाबैबला छल, मुदा १० वर्षमे अधूरा काज छोइड़ देलक। तकरबाद लुम्बिनी बिल्डर्सकेँ देल गेल, जे सेहो अधूरा रहल।

निर्माणक्रममे पुलक दूटा पाएर भाइस गेलाक बाद कम्पनी आ बीमा कम्पनी बीच विवाद उच्च अदालत पाटनधैर गेल। बीमा दावीपर विवाद एखन तक निरूपण नै भेल अइछ।

आब २०८२ अखारधैर विस्तार पाएल म्याद सेहो निकट आएल छै। पुल नै बनलासँ सिरहा आ सप्तरीके लोकके जनकपुर जाए लेल या तँ भारतीय बजार जयनगरसँ जाए पड़ैत अइछ वा एक सओ टका द क नाहपर यात्रा करए पड़ैत अइछ। आधा घण्टाक दूरी मिर्चैया, ढल्केवर घुइम क तीन घण्टा लगैत अइछ।

हुलाकी सड़कके मधेश प्रदेशक राजधानी जनकपुरधामसँ जोड़ैबला छोट दूरीके राष्ट्रिय गौरवके आयोजना मानल जाइत अइछ।

ताजा खबर
लोकप्रिय