महेन्द्रनगर (धनुषा), २२ जेठः मधेश प्रदेश सरकारक विकास योजनामे भेल अनियमितता खोजबिन लेल मधेश प्रदेशसभा संसदीय छानबिन विषेश समिति गठन केलक अइछ ।
प्रदेशसभाक आइ बैसल बैसार प्रदेशसभा कार्य सञ्चालन नियमावली २०७५के नियम १५२ बमोजिम प्रदेशसभामे प्रतिनिधित्व क रहल सब दलके सहभागितामे विशेष समिति गठन केलक अइछ । प्रदेशसभाक सभामुख रामचन्द्र मण्डल खोजबिन समितिमे प्रदेशसभा सदस्यसभ केशव राय, कुमारकान्त झा, किरण कुमारी साह, शम्भु कुमार साह, रहबर अन्सारी, रविता प्रधान, कनिष पटेल, उर्मिला देवी सिंह, कञ्चन विच्छा आ विमला अन्सारी रहल घोषण कएलैन । प्रतिपक्षी दलसभ चालु आर्थिक वर्षक योजनामे मधेश सरकार अनियमितता कएने आरोप लगाबैत आएल छै । रासस






