भियतनामके उपराष्ट्रपति सुआन काठमाण्डूमे


काठमाण्डू, ७ भादबः भियतनामके उपराष्ट्रपति भो थि आन सुआन नेपालक तीन दिनक औपचारिक भ्रमणक लेल आइ काठमाण्डू आएल छैथ । उपराष्ट्रपति रामसहायप्रसाद यादवके मैत्रीपूर्ण निमन्त्रणमे ओ नेपाल भ्रमणमे आएल बताओल गेल अइछ ।

उपराष्ट्रपति सुआनके त्रिभुवन अन्तर्राष्ट्रिय विमानस्थलके अति विशिष्ट कक्षमे परराष्ट्रमन्त्री डा. आरजु राणा देउवा आ सस्कृति, पर्यटन तथा नागरिक उड्डयनमन्त्री बद्रीप्रसाद पाण्डे स्वागत केलैन ।

ओइ अवसरपर नेपाल सरकारक विशिष्ट श्रेणीके कर्मचारी, सुरक्षा निकायके प्रमुखलगायत विशिष्ट व्यक्तित्व उपस्थित छलैथ । उपराष्ट्रपति सुआनक सम्मानमे नेपाली सेना प्रदान कएने गार्ड अफ अनरके ओ निरीक्षण कएने छलैथ ।

सुआनसङे परराष्ट्रमन्त्री डा. राणा आइ शिष्टाचार भेटवार्ता करता से बात मन्त्रालय जनौने अइछ ।

भियतनामसँ ई पहिल उच्चस्तरीय भ्रमण अइछ । भ्रमणके क्रममे उपराष्ट्रपति यादव आ हुनक समकक्षी सुआन बीच रैबदिन काठमाण्डूमे प्रतिनिधिमण्डस्तरीय द्विपक्षीय वार्ता हेबाक कार्यक्रम रहल मन्त्रालय जनौने अइछ ।

उपराष्ट्रपति सुआन भ्रमणके क्रममे राष्ट्रपति रामचन्द्र पौडेल आ प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओलीसङे सेहो अलग अलग शिष्टाचार भेटवार्ता करबाक कार्यक्रम छैन ।

अइ वर्ष नेपाल आ भियतनाम बीच कूटनीतिक सम्बन्ध स्थापना भेल ५० म वर्षगाँठ सेहो रहलाक कारणेँ भ्रमणकेँ विशेष महत्त्व देल गेल अइछ ।

उपराष्ट्रपति सुआनके इएह भादब ९ गते स्वदेश जेबाक कार्यक्रम अइछ । रासस

 

ताजा खबर
लोकप्रिय