काठमाण्डू, ८ भादबः प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओली आ नेपाल भ्रमणमे आएल भियतनामक उपराष्ट्रपति भो थि आन सुआन बीच भेटघाट भेल अइछ । हुनकासभके बीच आइ सिंहदरबारस्थित प्रधानमन्त्री तथा मन्त्रिपरिषद्के कार्यालयमे भेट भेल अइछ ।
भेटवार्तामे दू देश बीचक आपसी सम्बन्ध आओर मजबुत बनाबैके विषयमे बातचित भेल अइछ । तहिना भेटमे दू देश बीचक सम्बन्धकेँ आओर मजबुत बनाबै लेल दुनु नेतासभ अपन अपन अनुभव आदानप्रदान करबाक सङे सम्बन्ध विस्तारके विविध पक्षमे बातचित कएने छैथ ।
भेटमे सहभागी प्रधानमन्त्री ओलीके मुख्य सलाहकार विष्णुप्रसाद रिमाल दू देश बीच सरकार–सरकार, व्यावसाय–व्यवसाय आ जनता–जनताके सङे कूटनीतिक आ सांस्कृतिक क्षेत्रक सम्बन्धकेँ आओर मजबुत बनाबैके विषयमे सेहो बातचित भेल जानकारी देलैन ।
नेपाल–भियतनाम कूटनीतिक सम्बन्ध स्थापनाके ५० साल पूरा भेल ऐतिहासिक अवसरमे उपराष्ट्रपति रामसहाय प्रसाद यादवके निमन्त्रणमे भियतनामक उपराष्ट्रपति सुआन शुक्रदिन नेपाल पहुँचल छैथ ।
अइसँ पहिने आइ उपराष्ट्रपति रामसहाय प्रसाद यादव आ उपराष्ट्रपति सुआन बीच भेट भेल छल । रासस





