सूचीकरण नइँ भेल सामाजिक सञ्जालमे प्रतिबन्ध


काठमाण्डू, १९ भादव । नेपाल सरकार सूचीकरण नइँ भेल सामाजिक सञ्जालमे प्रतिबन्ध लगेबाक निर्णय कएलक अइछ ।

सञ्चार तथा सूचना प्रविधि मन्त्रालयमे बृहस्पति दिन बैसल बैठकसँ सामाजिक सञ्जाल सञ्चालनमा रोक लगेबाक निर्णय कएल गेल अइछ । सञ्चार तथा सूचना प्रविधिमन्त्री पृथ्वीसुब्बा गुरुङकेँ अध्यक्षतामे सम्पन्न बैठकमे मन्त्रालयक अधिकारी, नेपाल दूरसञ्चार प्राधिकरण, इन्टरनेट सेवा प्रदायक कम्पनी तथा टेलिकमका प्रतिनिधिसबहक उपस्थिति छल ।

मन्त्रालयमे दर्ता नइँ भेल सब सामाजिक सञ्जाल क्रमशः बन्द कएल जेबाक निर्णय भेल तथा सम्बन्धित कम्पनीसबके पत्राचार करबाक कार्य सेहो प्रारम्भ भ’ चुकल अइछ । अइसँ पहिने सरकार सामाजिक सञ्जाल कम्पनीसबके सात दिनभित्तर अनिवार्य रूपमे सूचीकरण दर्ता कराबए निर्देशन सहित बुध दिनधइर सात दिनक समय देने छल । ओइ समयभित्तर सामाजिक सञ्जाल कम्पनीसब सूचीकरण कराबए नइँ एलाक बाद सरकार एहन निर्णय कएलक अइछ ।

ताजा खबर
धेरै पढिएको