जनकपुरधाम । मधेश प्रदेशक मुख्यमन्त्री जितेन्द्र सोनल अपन पदसँ राजीनामा देलक अइछ । आइ (शुक्रदिन) भेल प्रदेशसभाक बैठकमे विश्वासमत लएबाक कार्यसूची छल, मुदा पर्याप्त समर्थन नपेलाक बाद हुनका राजीनामा देबाक घोषणा करए पडल अइछ ।
लोकतान्त्रिक समाजवादी पार्टी (लोसपा)क नेता सोनलकेँ गत २९ असोजमे प्रदेश प्रमुख सुमित्रा भण्डारीद्वारा मुख्यमन्त्री नियुक्त कएल गेल छल । मुदा गठबन्धन दलसभक असमझदारी आ आन्तरिक मतभेदक कारण हुनक सरकार अल्पमतमे पइर गेल अइछ ।
१०७ सदस्यीय मधेश प्रदेशसभामे बहुमतक लेल ५४ मत आवश्यक छल । आजुक बैठकमे जनमतसँ जनस्वराज पार्टीमे गेल पूर्व मुख्यमन्त्री सतिशकुमार सिंह आ सांसद त्रिभुवन शाह अनुपस्थित रहल ।
प्रदेशसभामे लोसपाक ८, जसपाक १८, जनमतक १३, माओवादी केन्द्रक ९ आ एकीकृत समाजवादीक ७ सदस्य छइथ । नागरिक उन्मुक्ति पार्टी सोनल सरकारक समर्थनक घोषणा कएने छल, मुदा संघीय समाजवादी पार्टीक सांसद विमला अन्सारी अनुपस्थित रहली ।
माओवादी केन्द्रक दुई सांसद रहबर अन्सारी आ माला कर्ण पार्टी निर्णय विरुद्ध मतदान कएलक । जाहिसँ सोनल सरकार संकटमे परल अइछ ।





