इन्फ्लुएन्जा ‘फ्लू’सँ बँचबाक लेल आग्रह


काठमाण्डू, १८ अगहनः स्वास्थ्य तथा जनसङ्ख्या मन्त्रालय इन्फ्लुएन्जा (फ्लू)सँ बँचबाक लेल आग्रह केलक अइछ । मन्त्रालय जाड़ बढ़लाक बाद इन्फ्लुएन्जा (फ्लू)के सङ्क्रमण सेहो बढ़बाक संभावना भेलाक कारण ओइसँ बँचबाक लेल आग्रह कएने अइछ ।

जाड़मे बेसी सक्रिय होएबला ई भाइरस सब उमेरक व्यक्तिकेँ सङ्क्रमित बनेबाक जोखिम रहैत अइछ । मन्त्रालयके प्रवक्ता डा. प्रकाश बुढाथोकी विशेष क बौआबुच्ची, ज्येष्ठ नागरिक तथा रोग प्रतिरोधात्मक क्षमता कम भेल व्यक्तिमे इन्फ्लुएन्जा भाइरसक सङ्क्रमणके संभावना बेसी होबाक बतौलैन ।

हुनक कहब अनुसार फ्लू भेल अधिकांश व्यक्तिकेँ चिकित्सकके देखभाल या एन्टिभाइरल दवाइके आवश्यक नै होइत अइछ । मुदा दीर्घ रोगी, गर्भवती, वृद्धवृद्धा तथा रोग प्रतिरोधात्मक क्षमता कम भेल व्यक्तिकेँ फ्लूसँ बेसी प्रभावित बनेबाक कारण आ अवस्था जटिल बनेबाक संभावनाक कारण ओहन व्यक्तिकेँ स्वास्थ्यकर्मीके रेखदेखमे राखबाक आवश्यक होइत अइछ ।(रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय