संचारमन्त्री खरेलद्वारा एनसेल कार्यालय अवलोकन


काठमाण्डू, २२ अगहनः संचार तथा सूचना प्रविधिमन्त्री जगदीश खरेल नक्खुस्थित एनसेल कार्यालयके अवलोकन केलैन अइछ । मन्त्री खरेलकेँ एनसेलक अध्यक्ष सतिश लाल आचार्य आ प्रमुख कार्यकारी अधिकृत माइकल फोले स्वागत करैत जेनजी आन्दोलनक क्रममे भेल क्षतिके बारेमे जानकारी करौलैन ।

बितल भादब २४ गते जेनजी आन्दोलनक क्रममे एनसेलक लैनचौरस्थित केन्द्रीय कार्यालयमे तोड़फोड़, लुटपाट आ आइगजनीके कारण क्षतिग्रस्त भेलाक बाद एनसेल नक्खुस्थित कार्यालयसँ सेवा प्रवाह करैत आएल अइछ । एनसेलक अनुसार जेनजी आन्दोलनक क्रममे देशक विभिन्न स्थानमे भेल तोड़फोड़ आ आइगजनीके कारण करिब ६५ करोड़ बराबरके क्षति भेल छल ।

अवलोकनक बाद मन्त्री खरेल हम एनसेलमे भेल क्षतिके बारेमे जानकारी लेबाक लेल आएल बतौलैन । एनसेल जेनजीकेँ लक्षित क ‘प्याक’ आनए लागल सुइन खुशी भेल सेहो ओ उल्लेख केलैन ।

“हम हुनकासभकेँ विद्यार्थी आ जेनजीके लेल किछ करबाक लेल कहने रहि । ओसभ नयाँ प्याकेज आनए लागल कहने छैथ । तहिना, सगरमाथा आधार शिविर आ किछ दुर्गम स्थानमे टेलिकमक पहुँच बढ़ेबाक विषयमे ओसभ अपन योजना सुनौने छैथ”, मन्त्री खरेल कहलैन । एनसेलमे पैघ क्षति भेल उल्लेख करैत ओ सरकारसँ होएबला सहयोगक लेल तैयार भेल बतौलैन ।

एनसेलके अनुसार कम्पनी जेनजीकेँ लक्षित क प्याक सार्वजनिक करबाक आ देशभैरके एक सओ विद्यार्थीकेँ एक करोड़ टकाके जेनजी छात्रवृत्ति सेहो घोषणाके तैयारी कएल गेल अइछ । एनसेलके दिससँ मन्त्री खरेलकेँ सगरमाथा क्षेत्रके गोखरसेपधैर आओर पाँचटा टावर बढ़ा क ‘फोरजी’ सेवा विस्तार करल लागल जानकारी देने छल ।

मन्त्री खरेल बितल समय एनसेलमे भेल किछ समस्या समाधानक लेल सेहो सरकार प्रयासरत भेल बतौलैन । “किछ नीतिगत समस्या छै, किछ विवादसभ सेहो छै । यद्यपि ई सब कानुनसम्मत समाधान होबाक चाही तइमे सरकार विश्वस्त छै”, ओ कहलैन ।

एनसेलके प्रमुख कार्यकारी अधिकृत माइकल फोले नेपालक टेलिकम क्षेत्रके सेवा अन्तर्राष्ट्रिय स्तरके नै भेल उल्लेख करैत सरकारकेँ नीतिगत रुपमे सहजीकरण करबाक चाही से धारणा व्यक्त केलैन । “टेलिकम्युनिकेसन सेवा बितल समय नागरिकके लेल अत्यावश्यक भ गेल अइछ । तइ, सरकारके सेहो अइ विषयमे ध्यान देबाक आवश्यक छै”, ओ कहलैन । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय