काठमाण्डू, २५ अगहनः सर्लाहीके विष्णु गाउँपालिका–६ सँ नेपाली एक हजार टकाके ९५ टा नकली नोटसहित एक गोटेके गिरफ्तार कएल गेल अइछ ।
‘अन टेष्ट’ लिखल मोटरसाइकलपर भारतसँ नेपालदिस आइब रहल अवस्थामे जिलाके कौडेना गाउँपालिका–५ छपकैयाके ३० वर्षक फिरोज खानकेँ उक्त नोटसहित गिरफ्तार कएल गेल केन्द्रीय प्रहरी समाचार कक्ष जनौलक अइछ ।
इलाका प्रहरी कार्यालय सिमरा फेन्हारासँ खटल प्रहरी टोली बुधदिन राइत खानकेँ गिरफ्तार कएने छल । अइ सम्बन्धमे आवश्यक अनुसन्धान भ रहल प्रहरी जनौलक अइछ । रासस





