जेनजी आन्दोलनमे ८४ अरब बराबरके क्षति


काठमाण्डू, २६ अगहनः बितल भादब २३ आ २४ गते भेल जेनजी आन्दोलनके क्रममे करिब ८४ अरब ४५ करोड़ ७७ लाख टका बराबरके भौतिक संरचनामे क्षति भेल जनाओल गेल अइछ ।

तहिना, जेनजी आन्दोलनमे क्षतिग्रस्त सरकारी संरचना पुनर्निर्माणमे ३६ अरब ३० करोड़ टका खर्च होबाक अनुमान कएल गेल अइछ । जेनजी आन्दोलनमे भेल क्षतिके मूल्याङ्कन तथा सार्वजनिक संरचनाके पुनःनिर्माण योजना तैयार करबाक लेल गठित समिति वृहस्पैतदिन प्रधानमन्त्री सुशीला कार्कीसमक्ष पेश कएने प्रतिवेदनमे भौतिक संरचनाअन्तर्गत दू हजार १ सओ ६८ सङ्घसंस्था तथा निकाय प्रभावित भेल उल्लेख अइछ ।

प्रतिवेदनमे कहल गेल अइछ, “समग्रमे ८४ अरब ४५ करोड़ ७७ लाख टका बराबरके क्षति भेल समितिके मूल्याङ्कन छै । आन्दोलनक क्रममे सातो प्रदेशमे क्षति भेल छल ।” एहन क्षति होएबला जिला ५४ आ स्थानीय तह २ सओ ६२ अइछ । प्रतिवेदनअनुसार भादब २३ गते २० गोटे, २४ गते ३७ गोटे आ ओइके बाद २० गोटेसहित जमा ७७ गोटेके मृत्यु भेल छल । दू हजार ४ सओ २९ गोटे घायल भेलमे १७ गोटे १३ सालसँ कम उमेरके अइछ । १३ सँ ल क २८ वर्षक एक हजार ४ सओ ३३ गोटे घायल भेल प्रतिवेदनमे उल्लेख अइछ ।

प्रतिवेदनअनुसार १२ हजार ६ सओ ५९ टा सवारीसाधन क्षतिग्रस्त भेलासँ १२ अरब ९३ लाख ६१ हजार टका बराबरके नोक्सानी होबाक सङे सरकारी/सार्वजनिक क्षेत्रके ४४ अरब ९३ करोड़ ७३ लाख टका बराबरके क्षति भेल अइछ ।

तहिना, दू हजार ६ सओ ७१ भवनमे क्षति भेल अइछ आ क्षतिके मूल्याङ्कन ३९ अरब ३१ करोड़ ७५ लाख टका बराबर अइछ । (रासस)

“सामुदायिक तथा अन्य क्षेत्रके पाँच अरब ९७ करोड़ १७ लाख टका बराबरके क्षति भेल अइछ, निजी क्षेत्रके क्षतिके मूल्याङ्कन ३३ अरब ५४ करोड़ ८७ लाख टका बराबर आ सरकारी क्षतिमे तीन तहमध्ये सङ्घीय सरकारके ६८ प्रतिशत छै, तँ प्रदेश आ स्थानीय तहके क्रमशः १० आ २२ प्रतिशत छै”, प्रतिवेदनमे उल्लेख अइछ ।

सरकारी/सार्वजनिक क्षेत्रमे ४४ अरब ९३ करोड़ ७३ लाख टका बराबर क्षति भेल अइछ । निजी क्षेत्रके क्षतिके मूल्याङ्कन ३३ अरब ५४ करोड़ ८७ लाख टका बराबर आ सामुदायिक तथा अन्य क्षेत्रके पाँच अरब ९७ करोड़ १७ लाख टका बराबर क्षति भेल जनाओल गेल अइछ ।

राष्ट्रिय योजना आयोगक सचिवके संयोजकत्वमे बितल आसिन ५ गते गठन कएल गेल समिति ७५ दिनमे अपन प्रतिवेदन सरकारसमक्ष पेस कएने अइछ ।

ताजा खबर
लोकप्रिय