मलेखु (धादिङ), २६ अगहनः दैनिक पाँच घण्टा आंशिक बन्द क स्तरोन्नति भ रहल नागढुङ्गा–मलेखु सड़कखण्ड आइ आ काइल्ह (शुक्रदिन आ शैनदिन)क लेल खुला कएल गेल अइछ ।
नेकपा (एमाले)के ११म केन्द्रीय महाधिवेशन उद्घाटन सत्रकेँ ध्यानमे राइख ओइ सड़कमे आवतजावत नै रोकबाक बताओल गेल अइछ । नागढुङ्गा–मुग्लिन सड़क आयोजना इएह अगहन २४ गतेसँ आंशिक बन्द क काज क रहल अइछ । दू दिनक लेल सड़क बन्द नै करबाक आयोजना जनौलक अइछ । ओइके बाद कार्यतालिकाअनुसार निर्धारण कएल गेल समयमे सड़क बन्द क काज कएल जेबाक नागढुङ्गा–मुग्लिन सड़क योजना पूर्वी खण्डके प्रमुख केशव प्रसाद ओझा जानकारी देलैन ।
ओ कहलैने,“स्तरोन्नतिकेँ तीव्रता देबाक लेल धादिङ आ काठमाण्डूके जिला प्रशासन कार्यालयसँ समवंय क अगहन २४ गतेसँ पुस १ गतेधैर भोर १०ः३० बजेसँ दुपहर ३ः३० धैर दैनिक पाँच घन्टा बन्द क काज करैत आएल छी । एमाले महाधिवेशनकेँ ध्यान दैत सवारीसाधनके भीड़ आ संभावित सड़क जामकेँ मध्यनजर क सड़क बन्द नै करबाक निर्णय कएल गेल छै ।”
युवा सङ्घक टोली बुधदिन भौतिक पूर्वाधार तथा यातायातमन्त्री कुलमान घिसिङकेँ भेट क महाधिवेशनक लेल दू दिन सड़क खुला क देबाक लेल आग्रह कएने छल ।
सड़क विभाग काठमाण्डू जिला भीतर पड़ैबला नागढुङ्गा–पिप्लामोड़ खण्डके पक्की करबाक काजकेँ उच्च प्राथमिकतामे राइख काज क रहल अइछ, तँ धादिङ जिला भीतर पड़ैबला नौबिसे–मलेखु खण्डके बाङ्गेभीरमे सड़क चौड़ा करबाक काजकेँ महत्वके सङ आगु बढ़ौने अइछ । (रासस)





