निर्वाचन ८२ दिन बाँकी : समानुपातिक निर्वाचन प्रणालीमे सहभागी दलकेँ चुनाव चिन्ह प्रदान


काठमाण्डू, २७ अगहनः फागुन २१ गते तय भेल प्रतिनिधिसभा सदस्य निर्वाचनके समानुपातिक प्रणालीदिस सहभागी राजनीतिक दलकेँ निर्वाचन आयोग चुनाव चिन्ह प्रदान केलक अइछ । आयोगद्वारा शुक्रदिन उक्त राजनीतिक दल दर्ता भेल आ चुनाव चिन्ह सेहाे उपलब्ध कराएल गेल अइछ ।

सहायक निर्वाचन अधिकृत यज्ञप्रसाद भट्टराईके अनुसार इएह अगहन २१, २२ आ २३ गते तीन दिनके समयभित्र समानुपातिक निर्वाचनमे भाग लेबाक लेल आवेदन देने छल ।

१०० दल आवेदन देलोपर दू वा दूसँ बेसी दल एकल चुनाव चिन्हमे देल आवेदन मध्ये कूल ९३ टा निर्वाचन चिन्ह कायम भेल हुनकर कहब छैन ।

आयोग २०७९ सालके प्रतिनिधिसभा सदस्यके निर्वाचनमे प्राप्त कएल समानुपातिक मतके आधारमे क्रमसङ्ख्या आ निर्वाचन चिन्ह प्रदान कएल गेल जनौलक अइछ । आनके हकमे दर्ताके आधारमे चिन्ह प्रदान केलक अइछ ।

आयोग पहिल नम्बरमे सूर्य, दोसरमे गाछी, तेसरमे पाँचकुने तारा, चारिममे घण्टी, पाँचममे हर, छाता, लाउड स्पिकर चुनाव चिन्ह निर्धारण केलक अइछ ।

तहिना, नेपाल सङ्घीय समाजवादी पार्टी, बहुजन एकता पार्टी नेपाल, नेपाल जनजागृति पार्टी एकल चुनाव चिन्ह बस प्राप्त केलक अइछ । राष्ट्रिय मुक्ति पार्टी नेपाल, जनता समाजवादी पार्टी आ नागरिक उन्मुक्ति पार्टी नेपाल एकल चिन्हके रूपमे चकिया (जताँ) चुनाव चिन्ह देल गेल अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय