एमाले केन्द्रीय कमिटी तीन सओ एक सदस्यीय हएत


काठमाण्डू, २८ अगहनः नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (एमाले) केन्द्रीय कमिटी तीन सओ एक सदस्यीय होबाक निर्णय केलक अइछ ।

पार्टीके ११म राष्ट्रिय महाधिवेशनके बन्दसत्र सुरु होबएसँ पहिने सम्पन्न भेल केन्द्रीय कमिटी बैसारसँ केन्द्रीय कमिटी तीन सओ एक सदस्यीय होबाक निर्णय कएल गेल अध्यक्ष केपी शर्मा ओली जानकारी देलैन । वरिष्ठ उपाध्यक्ष ईश्वर पोखरेललगायत विधान महाधिवेशनसँ पारित विषयकेँ यथावत राखबाक माँग कएलाक बादो बहुमतसँ १०म महाधिवेशनअनुसार कायम करबाक निर्णय भेल अइछ ।

बैसारक आरम्भ करैत अध्यक्ष ओली महाधिवेशन उद्घाटन समारोहमे भेल पार्टी कार्यकर्ताके उपस्थितिसँ देशमे राजनीतिक दलके औचित्य रहल पुष्टि भेल बतौलैन ।

बैसारमे महासचिव शङ्कर पोखरेल बन्दसत्रमे प्रस्तुत कएल जाएबला निर्वाचन कार्यतालिका, आचारसंहिता, समसामयिकलगायत एजेण्डा प्रस्तुत केलैन ।

ताजा खबर
लोकप्रिय