प्रादेशिक अस्पतालक जमीन रजिस्ट्रेसनमे लाभकर मिनाह, सेवा विस्तार हएत


सिराहा, १ पुसः सरकार लहान नगरपालिका–३ स्थित राम कुमार शारदा उमा प्रसाद मुरारका प्रादेशिक अस्पतालक जमीन ‘रजिस्ट्रेसन’क लेल लागैबला लाभकर मिनाह केलक अइछ । मन्त्रिपरिषद्क सोमदिन भेल बैसारसँ करिब एक करोड़ ३४ लाख ९५ हजार टका बराबरके लाभकर मिनाह करबाक निर्णय कएल गेल अइछ ।

करिब पाँच दशकसँ अस्पतालक हक भोगमे भेल उक्त जमीन रजिस्ट्रेसन नै भेलाक कारण भौतिक संरचना विस्तारमे समस्या होइत आएल छल । सरकारक निर्णयके बाद सिरहा, सप्तरी आ उदयपुरके बेमारीसभकेँ सेवा लेबाक लेल अइ अस्पतालक स्तरोन्नति आ सेवा विस्तारसँ सहज होबाक बताओल गेल अइछ ।

सरकार गरिब तथा विपन्न समुदायक इलाज आवश्यकताकेँ ध्यानमे राइख सकारात्मक निर्णय कएने अस्पताल व्यवस्थापन समितिक अध्यक्ष राम नारायण मेहता बतौलैन । ओ कहलैन, “विभिन्न कारणसँ रुकल प्रादेशिक अस्पतालक जमीन रजिस्ट्रेसनके समस्या अन्ततः समाधान भेल छै । स्थानीय जनताके माँगबमोजिम सङ्घीय सरकार लाभकर मिनाह करबाक ऐतिहासिक निर्णय कएने छै । अइ निर्णयसँ पूरे सिरहासहित लगपासक नागरिककेँ गुणस्तरीय स्वास्थ्य सेवा प्राप्त हएत से आशा आ भरोसा छै । आब अस्पतालक स्वामित्वमे जमीन अएलाक बाद भौतिक संरचना विस्तार, नयाँ भवन निर्माण आ सेवा सुधारक काज तीव्र रुपमे आगु बढ़त । अइ महत्त्वपूर्ण निर्णयके लेल पहल केनिहार सब पक्षप्रति अस्पताल परिवारक दिससँ हार्दिक धन्यवाद व्यक्त करैत छी ।”

मन्त्रिपरिषद् निर्णयअनुसार लहान नगरपालिका–७ स्थित कित्ता नं. २४८, २४९, ३२७ आ ३३० मे भेल एक बिगहा १५ कट्ठा १० धुर जमीन तथा भवन मधेश प्रदेश सरकारक नाममे हस्तान्तरण कएलासँ आयकर ऐन आ आर्थिक ऐनबमोजिम लागैबला लाभकर मिनाह हएत । अस्पतालक पूर्वमेडिकल सुपरिटेन्डेन्ट डा. बृजेन्द्र साहके कहब अनुसार जमीन अस्पतालक स्वामित्वमे अएलाक बाद आब एक सओ बेडके भवन निर्माण, सिटीस्क्यान, एमआरआई तथा विशिष्टीकृत इलाज सेवा विस्तार करबाक लेल सहज हएत ।

वि.सं. २०३७ मे लहानक दाता परिवार राम कुमार शारदा आ उमा प्रसाद मुरारका अस्पतालक लेल उक्त जमीन उपलब्ध करौने छलैन । लाभकर के चुक्ता करत तइ विषयमे असमन्जस भेलासँ रजिस्ट्रेसनक काज रुकल छल । बितल समय युवा तथा खेलकुदमन्त्री बब्लु गुप्ताके सक्रियतामे स्थानीय अगुवा, अस्पताल परिवार आ युवासभक पहलके बाद सरकार लाभकर मिनाह करबाक निर्णय कएने अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय