एमाले महाधिवेशनः मतदान सुरु


काठमाण्डू, २ पुसः नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (एमाले)के ११म राष्ट्रिय महाधिवेशनअन्तर्गत भृकुटीमण्डपमे नयाँ नेतृत्वके लेल मतदान सुरु भेल अइछ ।

केन्द्रीय निर्वाचन आयोगक उपाध्यक्ष सानुराज पोखरेलक कहब अनुसार अध्यक्ष पदक उमेदवारद्वय केपी शर्मा ओली आ ईश्वर पोखरेल मतदान केलैन अइछ ।

एमालेमे ३ सओ १ केन्द्रीय सदस्यीयके लेल ६ सओ ६० गोटे उमेदवारी दर्ता करौने अइछ । मतदानक लेल ८० टा भोटिङ मेसिन प्रयोग कएल गेल अइछ । महाधिवेशनमे दू हजार २ सओ ६३ मतदाता सहभागी हएत । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय