राजविराज । सप्तरीक राजविराजमे आन्तरिक राजश्व कार्यालय स्थापना समेतक मांग लऽ कए चइल रहल आन्दोलनकारी पक्ष आ सम्बन्धित निकाय बीच सहमति भेला उपरान्त रिले अनशन आ आन्दोलन स्थगित कएल गेल अइछ।
बुध दिन अर्थ मन्त्रालयक उपमहानिर्देशक रमेश अर्याल आ आन्तरिक राजस्व कार्यालय स्थापना संघर्ष समिति, राजनीतिक दल आ सरोकारवाला निकाय बीच भेला तीन बुँदे सहमतिक अनुसार आन्दोलनक कार्यक्रम स्थगित कएल गेल अइछ। सप्तरीबासी आ अनशनरत पक्षक मांग बमोजिम अर्थ मन्त्रालयक संगठन तथा व्यवस्थापन सर्वेक्षण (O&M) कए कए राजविराजमे आन्तरिक राजश्व कार्यालय स्थापना करबाक लेल आन्तरिक राजश्व विभाग मार्फत नेपाल सरकार, अर्थ मन्त्रालयकेँ अनुरोध करबाक निर्णय भेल अइछ।
करदाता सेवा कार्यालय, राजविराज सँ एखनधरि दैत आएल सेवा के वैकल्पिक सेवा देनिहार निकायक क्षमता विकास भऽ सेवा सहज नइँ होइधरि करदाता सेवा कार्यालय, राजविराज यथावत रूप सँ सेवा प्रवाह कएल जाय—एइ पर सहमति भेल अछि। उपरोक्त सहमति संगे आन्दोलनरत पक्ष ६ दिन सँ जारी रिले अनशन आ आन्दोलन स्थगित करबाक निर्णय कएल अइछ।
एतबे नहि, सहमतिक कार्यान्वयन होयत—एहन विश्वास व्यक्त करैत आन्दोलनकारी पक्ष सहमति पालना नइँ भेल तऽ फेर आन्दोलनमे उतरब से चेतावनी सेहो देने अइछ ।





