काठमाण्डू, १८ पुसः राहदानी विभाग राहदानी पुस्तिकाके आपूर्ति आ छपाइ सङे राहदानीके वितरणक काज साविकअनुसार अर्थात् जेनजी आन्दोलनसँ पहिने भेल व्यवस्थाकेँ तालिकाअनुसार सम्बन्धित कार्यालयमे पठेबाक बतौलक अइछ ।
आब उपरान्त सम्बन्धित जिला/इलाका प्रशासन कार्यालय या विदेशस्थित नेपाली नियोगसँ राहदानीके लेल आवेदन देनिहार आवेदकके राहदानी समयमे छपाइ क पूर्ववत् रूपमे पठेबाक व्यवस्था मिलाएल गेल विभागक सूचना अधिकारी केशवराज पन्थी जानकारी देलैन । तत्काल राहदानी आवश्यक भ विभागमे आवेदन देबाक अवस्था आएल तँ आवेदकके माँगअनुसार पर्याप्त भेट समय खुला कएल गेलासँ आवेदन दैतसमय अपने चुनने समयमे विभागमे उपस्थित भ सेवा प्रवाहमे सहयोगक लेल सम्पूर्ण सेवाग्राहीसँ विभाग अनुरोध केलक अइछ ।
जिला/इलाका प्रशासन कार्यालयसँ कम्तीमे बितल अगहन १५ गतेधैर आवेदन दैनिहार आवेदकके राहदानी तैयार क पठाएल गेल आ ओइके बाद आवेदन देने आवेदकके पुस २५ गतेधैर पठेबाक व्यवस्था मिलाएल गेल विभागले जनौलक अइछ । विदेशस्थित नेपाली नियोगसँ अगहन महिनाधैर आवेदन देने आवेदकके राहदानी वैयक्तिकरण क पठाइब चुकल आ अन्य आवेदकके हकमे नियमित तालिकाअनुसार पठेबाक व्यवस्था मिलेबाक सङे इएह महिनाके २५ गतेके बाद साविकके समय तालिकाअनुसार एक/दू हप्ताके अन्तरमे छपाइ क सम्बन्धित कार्यालयमे पठेबाक व्यवस्था मिलाएल गेल विभाग जनौलक अइछ । (रासस)





