काठमाण्डू, १९ पुसः आसन्न प्रतिनिधिसभा सदस्य निर्वाचनक लेल समानुपातिक प्रणालीदिसक बन्दसूचीमे समावेश भेल कोनो उम्मेदवार अपन नाम फिर्ता ल सकैत छैथ आ फिर्ता भेल स्थानमे सम्बन्धित दल दोसर उम्मेदवारके थप करबाक लेल समय देल गेल अइछ ।
निर्वाचन आयोग अगिला फागुन २१ गतेक लेल निर्धारित अइ पुस १३ आ १४ गते ६४ राजनीतिक दलक दिससँ प्राप्त उम्मेदवारीक मनोनयनपर रुजु भ रहल जनौने अइछ ।
आयोगक प्रवक्ता नारायणप्रसाद भट्टराईक अनुसार सूचीमे कानुन बमोजिम समावेशी समूह मिलल वा नै मिलल रुजु क अइ पुस २० गते भितर सम्बन्धित दलकेँ सूचित करैबाक आ तकर बाद दलसभद्वारा सुधार क अइ पुस २७ गते भितर पुनः पेश करए पडत। ओहिना पेश कएल गेल संशोधित सूचीमे रहल कोनो उम्मेदवार अपन नाम फिर्ता लेबाक इच्छा भेलापर पुस २८ गतेक लेल समय देल जाएत। फिर्ता हाेबाक आवेदन देलापर उक्त उम्मेदवारक बारेमे सम्बन्धित दलकेँ आयोग सूचित करत आ दलकेँ दोसर उम्मेदवार पठाबए पड़त ।
अगिला माघ ४ गते बन्दसूची सार्वजनिक कएल जाएत । आम सर्वसाधारण ओइ सूचीमे रहल उम्मेदवार कानुनी रुपमे अयोग्य रहल से दाबीविरोध कएलापर खोजबिन क माघ २० गते अन्तिम नामावली प्रकाशन कएल जेबाक आयोग जनौने अइछ । उक्त सूची तकर बाद परिवर्तन नै हएत । (रासस)





