वीरगञ्जमे कर्फ्यू आदेश आइ दुपहर एक बजेधैर बढ़ाएल गेल


वीरगञ्ज (पर्सा), २२ पुसः जिला प्रशासन कार्यालय आइ भिंसर ८ः०० बजेसँ दुपहर १ः०० बजेधैरके लेल कर्फ्यूके समय बढ़ौलक अइछ ।

प्रशासनद्वारा सोमदिन साँझ ६ः०० बजेसँ आइ भिंसर ८ः०० धैर कर्फ्यू आदेश जारी कएल गेल छल । पर्साके प्रमुख जिला अधिकारी भोला दाहाल विवादक समाधान खोजबाक प्रयास भ रहल जानकारी देलैन । “स्थानीय प्रशासन ऐन, २०२८ के दफा ६ (क) बमोजिम पर्सा जिलाके वीरगञ्ज महानगरपालिका क्षेत्र भीतर चाइर किल्ला निर्धारण क ओइ सिमाना भीतर केकरो आवतजावत नै करए, कोनो प्रकारक जुलुस प्रदर्शन, सभा, बैसार, घेराउ नै करएजँका कर्फ्यू आदेश जारी कएल गेल छै”, ओ कहलैन ।

स्थानीय प्रशासन पूर्वमे बसपार्क, पश्चिममे सिर्सियापुल, उत्तरमे पावरहाउस चौक आ दक्षिणमे शङ्कराचार्य गेट क्षेत्रमे कोनो प्रकारक सभा, सम्मेलन, जुलुस तथा धर्ना नै क सकबाक जनौलक अइछ ।

कर्फ्यूके समयमे सुरक्षाकर्मी गोली प्रहार क सकबाक कारण अत्यावश्यक बाहेक घरसँ बाहर नै निकलए आ निकलबाक आवश्यक भेलापर लगके सुरक्षाकर्मीसँ समवंय क मात्रे निकलबाक लेल ओ अनुरोध केलैन अइछ । कर्फ्यू आदेश अवधिमे अत्यावश्यक सेवाके सवारीसाधन संचालन होबाक प्रशासन जनौलक अइछ । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय