कास्की, १९ माघः पोखरा अन्तर्राष्ट्रिय फुटबल रङ्गशालामे भ रहल यू–१९ साफ महिला च्याम्पियनसीप फुटबल प्रतियोगिता अन्तर्गत आइ लिग चरणके दू खेल होबए लागल अइछ । पहिल खेल बङ्गलादेश आ भारत बीच दुपहर १२ बजेसँ सुरु हएत, तँ दोसर खेलमे नेपाल आ भुटान बीच दुपरह ३ बजेसँ प्रतिस्पर्धा सुरु हएत । नेपाल आ भूटान अइसँ पहिने अपन पहिल खेलमे पराजित भेल छल । नेपालकेँ भारत १–० गोलसँ पराजित कएने छल । प्रतियोगिताके उद्घाटन खेलमे भुटान बङ्गलादेशसँ १२–० गोलसँ पराजित भेल छल ।
तइ, आजुक खेलमे नेपाल आ भूटान दूनु दबाबमे रहत । फाइनल सम्भावना कायम राखबाक लेल दूनु टोलीके आजुक खेल महत्त्वपूर्ण अइछ । बङ्गलादेश आ भारत एक/एक खेल जीत क समान तीन अङ्क जोड़ने अइछ ।
प्रतियोगितामे अइ बेर चाइरटा टोली मात्रे सहभागिता जनौने अइछ । दक्षिण एसियाली फुटबल महासङ्घ (साफ)के समवंय तथा अखिल नेपाल फुटबल सङ्घ (एन्फा)के आयोजनमे भेल प्रतियोगिता ‘राउन्ड रोबिन लिग’ प्रणालीमे भ रहल अइछ । जइमे प्रत्येक टोली दाेसर टोलीसँ एक–एक खेल खेलत ।
प्रतियोगिताके लिग चरणके बाद शीर्ष दू टोली इएह माघ २४ गते होएबला फाइनल खेलमे उपाधिके लेल प्रतिस्पर्धा करत से साफके महासचिव पुरुषोत्तम कट्टेल जानकारी देलैन । रासस
Imagesourse:nepalnews.com





