काठमाण्डू, २३ माघः स्वास्थ्य तथा जनसङ्ख्या मन्त्रालय इएह माघ २५ (रैबदिन) गतेसँ किशोरीसभकेँ बच्चादानीके क्यान्सर विरुद्धक ‘ह्युमन पापिलोमा भाइरस’ (एचपिभी) खोप देशभैर लगेबाक तैयारी केलक अइछ ।
स्वास्थ्य सेवा विभाग बालस्वास्थ्य तथा खोप शाखाके प्रमुख डा. अभियान गौतम अगिला फागुन १५ गतेधैर देशभैर कक्षा ६ मे अध्ययनरत आ विद्यालय बाहर भेल १० वर्ष उमेर समूहक किशोरीकेँ खोप लगेबाक बतौलैन । सरकार बितल साल एचपिभी खोप अभियानमे छुटल तथा अखन कक्षा ७ सँ १० धैर अध्ययनरत छात्रा आ ११ वर्षसँ १४ वर्षके विद्यालय बाहर भेल किशोरीकेँ अभियानअन्तर्गत खोप लगेबाक ओ बतौलैन । छात्रा आ किशोरीकेँ खोप अपन–अपन विद्यालय आ स्वास्थ्य संस्थामे लगेबाक आ खोप लगाबैबला स्वास्थ्यकर्मीकेँ तालिम देल गेल प्रमुख डा. गौतम बतौलैन ।
“प्रादेशिक कार्यालयसँ जिला कार्यालयमे खोप पहुँचाओल गेल छै”, प्रमुख डा. गौतम कहलैन । सरकार बितल साल माघ २२ गतेसँ फागुन ६ गतेधैर देशभैर कक्षा ६ सँ १० धैर आ विद्यालय बाहर भेल १० सँ १४ वर्ष उमेर समूहक करिब १७ लाख किशोरीकेँ उक्त खोप लगौने छल ।
खोप अभियानअन्तर्गत करिब तीन लाख ५० हजार बालबालिकाकेँ बच्चादानीके क्यान्सर विरुद्धक एचपिभी खोप लगेबाक शाखा प्रमुख डा. गौतम बतौलैन । अइ बेर एचपिभि खोप ‘भ्याक्सिन आ खोपके लेल ग्लोबल एलायन्स’के सहयोगसँ प्राप्त भेल ओ बतौलैन । रासस
Imagesourse:businesstvnepal.com





