काठमाण्डू, २७ माघः बजारमे खाना बनाबैबला तेल, खाना बनाबैबला ग्यासलगायत सामग्रीके कृत्रिम अभाव भेलाक बाद वाणिज्य, आपूर्ति तथा उपभोक्ता संरक्षण विभाग राजधानीके विभिन्न स्थानमे स्थलगत अनुमगन तथा निरीक्षणकेँ तीव्रता देलक अइछ ।
उपभोक्ताकेँ अतिआवश्यक तथा दैनिक उपभोग्य वस्तुके उत्पादक, विक्रेता, पैठारीकर्ता, सञ्चयकर्ता आ सेवाप्रदायक फर्म एवं प्रतिष्ठानमे निरन्तर रुपमे अन्य सक्षम निकायके सहयोग ल संयुक्तः बजार अनुमगन आगु बढ़ाएल गेल विभागद्वारा उल्लेख कएल गेल अइछ ।
सहज रूपमे उपभोक्ताकेँ राहत देबए, उपभोग्य वस्तुके कृत्रिम अभाव कराबैबलाकेँ कारबाहीके दायरामे आनबाक लेल विभाग प्रभावकारी रुपमे अनुमगन क रहल विभाग उल्लेख केलक अइछ । बितल समय विशेष क खाना बनाबैबला ग्यासके अभाव भेलाक बाद उपभोक्ताकेँ दुःख देबाक काज भ रहल अइछ । कानुनविपरीतके काज करैबलाकेँ विभाग कारबाहीके दायरामे आनल गेल अइछ ।
प्रचलित कानुनविपरीतके कोनो क्रियाकलाप भेलाक बाद प्रचलित कानुनबमोजिम कारबाही होबाक विभाग स्मरण करौलक अइछ । नेपाल आयल निगम बजारमे खाना बनाबैबला ग्यासके सहज आपूर्ति भेल दाबी कएलाक बादो उपभोक्ता सहज रूपमे प्राप्त नै क सकल बतबैत अइछ । रासस
Imagesourse:api.kathmandupost.com





