महोत्तरी, १० फागुनः १५ दिनक मिथिला माध्यमिकी परिक्रमाके यात्री आइ सातम दिन ध्रुवकुण्ड पहुँच लागल अइछ । यात्राके चारिम दिन मटिहानीसँ महोत्तरी प्रवेश कएने यात्री मटिहानी, जलेश्वर आ मड़ैके रात्रि विश्राम कएलाक बाद आइ सातम दिन बलवा नगरपालिका–९ स्थित ध्रुवकुण्ड पहुँचत । अखन ध्रुवकुण्डसँ मड़ैधैर यात्रीके लाइन लागल अइछ । आइ दुपहरधैर सब यात्री ध्रुवकुण्ड पहुँचत ।
ध्रुवकुण्डसँ पहिने सत्ययुगमे राजा उत्तानापादक पुत्र राज कुमार ध्रुव कठोर तपस्या कएने स्थान मानल जाइत अइछ ।
ध्रुवकुण्डके रात्रि विश्रामक बाद काइल यात्री आठम दिनके विश्रामक लेल कञ्चनवन प्रस्थान करत । कञ्चनवन यात्राके महोत्तरीमे पड़ैबला अन्तिम विश्राम स्थल अइछ । अइ ठामसँ नवम् दिन यात्री धनुषादिस प्रस्थान करत । ई यात्रा प्राचीन मिथिलाके राजधानी जनकपुरकेँ मध्य केन्द्र बना क १ सओ ३३ किलोमिटर कएल जाइत अइछ । अइ यात्राके १५ रात्रि विश्रामस्थलमे महोत्तरीमे पाँच, धनुषामे छ आ मित्रराष्ट्र भारतके मधुवनी जिलामे चाइर स्थान पड़ैत अइछ । रासस





