चन्द्रपुर (रौतहट), १० फागुनः जिला प्रशासन कार्यालय गौर नगर क्षेत्रमे फेरसँ निषेधाज्ञा जारी केलक अइछ । स्थानीय प्रशासन ऐन, २०२८ के दफा ६ (क) अनुसार गौर नगरपालिकाके पूर्व मुड़बलवा गेट, पश्चिम लालबकैया बाँध, उत्तरमे बम नहर आ दक्षिणमे गौर भंसार कार्यालय क्षेत्रधैर आइ भोर ८ः३० बजेसँ फेरसँ निषेधाज्ञा जारी कएल गेल अइछ ।
प्रमुख जिला अधिकारी दिनेश सागर भुसाल आइ भोर ८ः३० बजेसँ दोसर आदेश नै भेलाधैर फेरसँ निषेधाज्ञा जारी कएल गेल जानकारी देलैन । गौर–६ सवगढ़ा गाममे शैनदि भोर दू समुदाय बीच विवाद भेलाक बाद दुपहर १ः०० बजेसँ आइ भोर ६ः३० बजेधैर निषेधाज्ञा जारी कएल गेल छल । ६ः३० बजेसँ ८ः ३० बजेधैर निषेधाज्ञामे किछ छुट देल गेल छल । रासस





