पर्साके वीरगञ्ज महानगर क्षेत्रमे कर्फ्यू आदेश जारी


वीरगञ्ज (पर्सा) ११ फागुनः पर्साके वीरगञ्ज महानगर क्षेत्रमे शांतिसुरक्षाकेँ मध्यनजर करैत कर्फ्यू आदेश जारी कएल गेल अइछ । पर्साके प्रमुख जिला अधिकारी भोला दाहाल आइ भोर ९ः ४५ बजेसँ लागू होएजका महानगरके चाइर किल्ला निर्धारण कर्फ्यू आदेश जारी केलैन अइछ ।

रैबदिन वीरगञ्ज महानगरके श्रीपुर क्षेत्रमे पार्किङके विषयमे भेल सामान्य विवादसँ दू समुदाय बीच तनाव बढ़लाक बाद जिला सुरक्षा समिति सुरक्षा स्थितिकेँ मध्यनजर करैत कर्फ्यू आदेश जारी कएल गेल ओ बताैलैन ।

सुरक्षा वस्तुस्थितिकेँ मध्यनजर करैत दोसर आदेश नै भेलाधैर स्थानीय प्रशासन ऐन, २०२८ के दफा ६ (क) बमोजिम पर्साके वीरगञ्ज महानगरमे चाइर किल्ला निर्धारण क कर्फ्यू आदेश जारी कएल गेल पर्साके प्रमुख जिला अधिकारी भोला दाहाल बतौलैन ।

पूर्वमे बाइपास रोड, पश्चिममे सिर्सियानदी, उत्तरमे गण्डक चौक आ दक्षिणदिर्स शंकराचार्य गेट सीमना निर्धारण क आवतजावत, जुलुस, प्रदर्शन, सभा, बैसारमे रोक लगाबैत कर्फ्यू आदेश जारी कएल गेल प्रशासन जनौलक अइछ ।

कर्फ्यू आदेश अवधिभैर अत्यावश्यक सवारीसाधन, एम्बुलेन्स, दमकल, शवबाहन, स्वास्थ्यकर्मीके सवारीसाधन, संचारकर्मी, विश्वविद्यालयके पूर्वनिर्धारित परीक्षाके परिक्षार्थी एवं परीक्षा केन्द्रमे खटैबला कर्मचारी, पर्यटक सवारीसाधन, कूटनीतिक नियोग आ मानवअधिकारकर्मी आ हवाई टिकटके आधारमे हवाई यात्रीके आवागमनमे सुरक्षाकर्मीसभसँ सहजीकरण हाेबाक जिला प्रशासन कार्यालय बतौलक अइछ ।रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय