अफगानिस्तानमे पाकिस्तानद्वारा हवाई आक्रमण, ८० गोटेके मृत्यु


इस्लामाबाद (पाकिस्तान), १ फागुनः अफगानिस्तानके नङ्गरहार, पक्तिका आ खोस्त प्रान्तक सात स्थानमे पाकिस्तान हवाई आक्रमण केलक अइछ । आक्रमणमे ८० गोटेसँ बेसी व्यक्तिके मृत्यु भेल इस्लामाबादके सुरक्षा स्रोतकेँ उद्धृत करैत जियो न्यूज जनौलक अइछ ।

जियो न्यूजके अनुसार नङ्गरहार, खोस्तमे ख्वारीजी मौलवी अब्बास सेन्टर, नङ्गरहारमे ख्वारीजी इस्लाम सेन्टर आ ख्वारीजी इब्राहिम सेन्टर, पक्तिकामे ख्वारीजी मुल्लाह रहबर आ ख्वारीजी मुखलिस यारमे आक्रमण कएल गेल अइछ ।

प्रतिबन्धित तहरीक–ए–तालिबान पाकिस्तान, अइसँ सम्बद्ध समूह आ इस्लामिक स्टेट–खोरासन प्रान्त (दाइश–खोरासन)क लेल पाकिस्तानी अधिकारीसभ प्रयोग करैबला शब्द फितना अल–खवारीजसँ सम्बन्धित शिविरसभकेँ लक्षित क आक्रमण कएल गेल सरकार जनौलक अइछ ।

पाकिस्तानक खैबर पख्तुनख्वा आ बलुचिस्तान प्रान्तमे हिंसाक घटना वृद्धि भेलाक बाद आक्रमण कएल गेल अइछ ।
रासस/एएनआई

ताजा खबर
लोकप्रिय