काठमाण्डू, ११ फागुनः गृहमन्त्री ओम प्रकाश अर्यालसँ संयुक्त राष्ट्रसङ्घ, नेपालक आवासीय संयोजक लिला पिटर्स याहिया शिष्टाचार भेट केलैन अइछ ।
गृह मन्त्रालयमे आइ भेल भेटमे मन्त्री अर्याल संयुक्त राष्ट्रसङ्घ शासकीय सुधार, जलवायु परिवर्तन आ स्थानीय तहसभक क्षमता वृद्धिलगायत क्षेत्रमे नेपालकेँ करैत आएल सहयोगक लेल धन्यवाद व्यक्त केलैन । तहिना, ओ संयुक्त राष्ट्रसङ्घ सङेके सहकार्य आबैबला समयमे आओर मजबुत होबाक विश्वास व्यक्त केलैन ।
भेटमे गृहमन्त्री अर्याल फागुन २१ गते होएबला प्रतिनिधि सभा सदस्य निर्वाचनमे शांतिसुरक्षा कायम क भयमुक्त वातावरणमे निष्पक्ष निर्वाचन सम्पन्न क लोकतन्त्रकेँ संस्थागत करबाक काज सरकारद्वारा तीव्र रूपमे भ रहल बतौलैन ।
ओइ अवसरमे संयुक्त राष्ट्रसङ्घक आवासीय संयोजक याहिया नेपाल सरकार सङे कएल गेल सहकार्यकेँ निरन्तरता देबाक कहैत नेपालमे लागूऔषध नियन्त्रण, सीमा सुरक्षा, मानव बेचबिखनलगायत क्षेत्रमे आओर सहयोग आ सहकार्य विस्तार करबाक विषयमे जिज्ञासा व्यक्त केलैन ।रासस





