जेनजीके माँगअनुसार कांग्रेस परिवर्तित भेल छैः उपसभापति शर्मा


जलेश्वर (महोत्तरी), १४ फागुनः नेपाली कांग्रेसक उपसभापति विश्व प्रकाश शर्मा जेनजीके माँगअनुसार नेपाली कांग्रेस परिवर्तित भेल आ जनताके बीच आएल बतौलैन अइछ ।

महोत्तरी जिलाके निर्वाचन क्षेत्र नम्बर ३ जलेश्वरमे बुधदिन आयोजन कएल गेल कांग्रेसक चुनावी कोणसभामे ओ परिवर्तनक लेल जेनजी युवापुस्ताद्वारा कएल गेल आन्दोलनक भावनाअनुसार सबसँ पहिने हमरासभक पार्टीमे परिवर्तन आएल दाबी केलैन ।

जेनजीके माँगअनुसार लम्बा समयसँ पार्टीमे पुस्तान्तरणके आवाज उठाबैत आएल गगन कुमार थापाकेँ पार्टी सभापति बना चुनावमे एलाक कारण आब जनताके ओकर मूल्याङ्कन करबाक चाही से उपसभापति शर्मा धारणा व्यक्त केलैन ।

“बितल भादबमे भेल जेनजी आन्दोलनमे नवयुवासभद्वारा सुशासनक विषय उठाएल गेल तथा राजनीतिक दलसभमे रूपान्तरण होबाक चाही से सन्देश देल गेल । ओएह अनुसार हमरासभ पार्टीमे सुधार सुरु कएने छी । युवाकेँ देशक बागडोर दैत निर्वाचनक बाद पार्टी सभापति थापाकेँ प्रधानमन्त्रीके उम्मेदवार बनाएल गेल छै । देशभैर नयाँ उम्मेदवारके आनल गेल छै”,ओ कहलैन ।

देशके आवश्यक विकास, परिवर्तन आ इच्छा अनुसारक सरकार केवल कांग्रेस द सकत कहैत उपसभापति शर्मा अइ बेरक निर्वाचनमे जनता सेहो हमरासभक अभियानकेँ अनुमोदन करत से विश्वास व्यक्त केलैन । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय