सिरहामे बस आ मोटरसाइकल ठोकरेलासँ दू गोटेके मृत्यु


सिरहा, १८ फागुनः पूर्व–पश्चिम राजमार्गअन्तर्गत सिरहाके गोलबजार नगरपालिका–३ जमनटोकी लग रैबदिन राइत बस आ मोटरसाइकल एक आपसमे ठोकरेलासँ दू गोटेके मृत्यु भेल अइछ, तँ एक गोटे गम्भीर घायल भेल अइछ । धनगढीमाई नगरपालिका–८ के ३७ वर्षक सन्तोष महतो आ २० वर्षक अमन रायके मृत्यु भेल प्रहरी जनौलक अइछ ।

गोलबजारसँ पूर्वदिस जा रहल स ५ प ४७५९ नम्बरके मोटरसाइकल आ धरानसँ भैरहवादिस जा रहल लु २ ख १०८५ नम्बरके बस एक आपसमे ठोकरेलासँ गम्भीर घायल भेल दूनु गोटेके स्थानीय स्वास्थ्य संस्थामे इलाजक क्रममे मृत्यु भेल इलाका प्रहरी कार्यालय गोलबजारके प्रमुख प्रहरी निरीक्षक सुधन केसी जानकारी देलैन ।

दुर्घटनामे १७ वर्षक धिरज मण्डल गम्भीर घायल भेल छैथ। प्रहरीके अनुसार मृतक आ घायल तीनू गोटे एकेटा मोटरसाइकलमे सवार छल । घायल मण्डलके अखन विराटनगरमे इलाज भ रहल अइछ, तँ मृतकसभक लहास पोष्टमार्टमके लेल लहानस्थित राम कुमार उमा प्रसाद प्रादेशिक अस्पतालमे राखल गेल अइछ ।

बस आ चालककेँ नियन्त्रणमे ल क घटनाके बारेमे थप अनुसन्धान भ रहल प्रहरी जनौलक अइछ ।रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय