काठमाण्डू १८ फागुनः अगिला प्रतिनिधि सभा सदस्य निर्वाचनअन्तर्गत राजनीतिक दल आ उम्मेदवारक प्रचारप्रसारके अवधि आइ मध्य राइतसँ समाप्त हएत । निर्वाचन आयोगद्वारा दल तथा उम्मेदवारकेँ इएह फागुन ४ गतेसँ आइ राइत १२ बजेधैर प्रचारप्रसारक समय प्रदान कएल गेल छल ।
मतदान होबाक ४८ घण्टा पहिनेसँ मतदान सम्पन्न नै भेलाधैर कायम होएबला मौन अवधिमे प्रचारप्रसार, भाषण, भेला, परामर्श, समीक्षालगायत निर्वाचनकेँ प्रभावित बनाबएजका कोनो गतिविधि करबामे रोक लगाएल गेल अइछ । मौन अवधिमे मत माँगए, पोष्ट करए, निर्वाचनकेँ प्रभावित बनाबएजका कोनो क्रियाकलाप नै क सकबाक आयोग जनौलक अइछ ।
मौन अवधिमे निर्वाचनकेँ प्रभावित बनेबाक हिसाबसँ आर्थिक कारोबार कएल गेल भेटलापर उम्मेदवारी खारेजी मात्रे नै ६ वर्षधैर कोनो निर्वाचन प्रक्रियामे भाग नै ल सकबाक कार्यवाहक प्रमुख निर्वाचन आयुक्त राम प्रसाद भण्डारी जानकारी देलैन ।
निर्वाचनकेँ प्रभावित बनाबएजका गतिविधिमे शून्य सहनशीलताके नीति अवलम्बन कएल जेबाक आयोग स्पष्ट केलक अइछ ।
मौन अवधिमे स्वच्छ आ स्वतन्त्र वातावरणमे विवकेपूर्ण ढङ्गसँ मतदान करबाक लेल मतदाताकेँ अवसर सिर्जना करबाक अपेक्षा कएल गेल अइछ । निर्वाचन व्यवस्थापन करएबला निकायकेँ सब प्रकारक बन्दोबस्त क शान्ति, सुरक्षा आ सुव्यवस्थासहित भयमुक्त वातावरणमे निर्वाचन सम्पन्न करबाक लेल मौन अवधि महत्त्वपूर्ण होइत अइछ ।
अपन–अपन दृष्टिकोण, योजना आ कार्यक्रमसहित मतदाताधैर पहुँचल उम्मेदवार आ राजनीतिक दलकेँ अपन प्रचारप्रसारके ठण्डा दिमागसँ समीक्षा करैत आनन्दपूर्वक मतदान करबाक आ मतपरिणामके प्रतिक्षाक समयके रुपमे लेल जाइत अइछ ।
मौन अवधिके समय निर्वाचन व्यवस्थापकीय हिसाबसँ सेहो महत्त्वपूर्ण रहैत अइछ । मौन अवधि निर्वाचन कराबएबला जनशक्ति आ सुरक्षा फौजकेँ सब प्रकारक काजसँ मुक्त क शान्तिपूर्ण वातावरणमे निर्वाचनक व्यवस्थापन करबाक अवसर प्रदान करत । अइ अवधिमे मतदान केन्द्र बनेबाक, मतदाता लाइनके व्यवस्थापन करबाक, शान्तिसुरक्षाके अवस्था मूल्याङ्कन कएल जाइत अइछ । विश्वके किछ देशमे २४ सँ ७२ घण्टाधैर मौन अवधि निर्धारण करबाक चलन अइछ ।
भयमुक्त वातावरणमे प्रभावकारी ढङ्गसँ निर्वाचन सम्पन्न करबाक आ मतदाताकेँ सुसूचित भ सचेततापूर्वक खुला दिमागसँ ‘योग्य आ चुनने’ उम्मेदवारकेँ मतदान करबाक लेल निर्णयधैर पहुँचबाक लेल प्रदान कएल गेल समय भेल पूर्वप्रमुख निर्वाचन आयुक्त दिनेश कुमार थपलिया बतौलैन ।
उम्मेदवार, राजनीतिक दल तथा सम्बन्धित व्यक्तिकेँ मौन अवधिमे विशेष आचारण पालन करबाक चाही से आयोग जनौलक अइछ । मौन अवधि सुरु होबएसँ पहिने मतदान केन्द्रके ३ सओ मिटर लगपासमे राखल गेल अपन अपन निर्वाचन चिह्न तथा प्रचारप्रसारक सामग्री हटाबए पड़त ।
ओइ अवधिमे एसएमएस, फेसबुक, भाइबर जेहन विद्युतीय माध्यमद्वारा प्रयोग कएल जाएबला सामाजिक सञ्जालमार्फत मत माँगए आ निर्वाचन प्रचारप्रसारमे रोक लगाएल गेल अइछ । तहिना, उम्मेदवार या राजनीतिक दलके प्रचारप्रसार होएजका कोनो समाचार या सूचना प्रकाशन या प्रसारणमे सेहो रोक लगाएल गेल अइछ ।
अगिला वृहस्पैतदिन होएबला निर्वाचनक लेल प्रत्यक्ष निर्वाचन प्रणालीदिस ६१ टा निर्वाचन चिह्नमे ६५ टा राजनीतिक दल प्रतिस्पर्धा करत । प्रत्यक्षदिस तीन हजार १७ पुरुष, ३ सओ ८८ महिला आ एक अन्यसहित तीन हजार ४ सओ ६ उम्मेदवार चुनावी प्रतिस्पर्धामे अइछ ।
तहिना, सामानुपातिक निर्वाचन प्रणालीदिस एक हजार ३ सओ ६३ पुरुष आ एक हजार ७ सओ ७२ महिलासहित तीन हजार १ सओ ३५ उम्मेदवार प्रतिस्पर्धामे अइछ । प्रत्यक्षदिस १ सओ ६५ निर्वाचन क्षेत्र आ समानुपातिकदिस १ सओ १० स्थानक लेल निर्वाचन हएत ।
अइ बेरक निर्वाचनमे ९६ लाख ६३ हजार ३ सओ ५८ पुरुष, ९२ लाख ४० हजार १ सओ ३१ महिला आ २ सओ अन्यसहित एक करोड़ ८९ लाख तीन हजार ६ सओ ८९ मतदाता अइछ । तहिना, एक लाख ८६ हजार १ सओ ४२ अस्थायी मतदाता कायम भेल आयोग जनौलक अइछ ।
निर्वाचनक लेल देशभैर १० हजार ९ सओ ६७ मतदान स्थलमे २३ हजार १ सओ १२ मतदान केन्द्र निर्धारण कएल गेल अइछ । १ सओ ४३ अस्थायी मतदानस्थल निर्धारण कएल गेल अइछ । निर्वाचन सुरक्षाक लेल ७९ हजार ७ सओ २७ नेपाली सेना, ७५ हजार ७ सओ ९७ नेपाल प्रहरी, ३४ हजार ५ सओ ६७ सशस्त्र प्रहरी बल, एक हजार ९ सओ २१ राष्ट्रिय अनुसन्धान आ एक लाख ४९ हजार ९० निर्वाचन प्रहरी खटाएल गेल अइछ ।
निर्वाचनमे दू लाख १५ हजार कर्मचारी खटत । प्रत्यक्ष आ समानुपातिकदिस जमा चाइर करोड़ २२ लाख ५१ हजार २ सओ मतपत्र छापल गेल आयोग जनौलक अइछ । अइ बेरक निर्वाचनमे चाइर अन्तर्राष्ट्रिय आ ३९ राष्ट्रिय संस्था निर्वाचन पर्यवेक्षणमे खटत । रासस





