समानुपातिक उम्मेदवार सिफारिस करबाक लेल रास्वपाके सचिवालय बैसार आइ


काठमाण्डू, ३० फागुनः प्रतिनिधिसभा सदस्य निर्वाचनअन्तर्गत समानुपातिक उम्मेदवार सिफारिस करबाक लेल राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टी (रास्वपा)के सचिवालय बैसार आइ होएबला अइछ ।

पार्टी सभापति रवि लामिछानेके निर्देशनअनुसार सचिवालयके बैसार आइ भ रहल प्रवक्ता मनिष झा जानकारी देलैन अइछ । “बैसारके समय आ स्थान तय नै भेल छै”, ओ कहलैन ।

समानुपातिक उम्मेदवार सिफारिससम्बन्धी विषयमे केन्द्रीय बैसारमे वरिष्ठ नेता बालेन्द्र शाहकेँ प्रधानमन्त्री बनेबाक रस्ता स्पष्ट करए लेल पार्टी विधान संशोधन आ विविध विषयमे सेहो बातचित होबाक कहल गेल छै । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय