काठमाण्डू, १ चैतः नेपाल सरकार राष्ट्रियसभाक खाली सदस्यमे गृहमन्त्री ओमप्रकाश अर्यालकेँ सिफारिस केलक अइछ ।
प्रधानमन्त्री निवास बालुवाटारमे आइ बैसल मन्त्रिपरिषद् बैसार अर्यालकेँ राष्ट्रियसभाक खाली सदस्य पदमे मनोनीत करए लेल राष्ट्रपतिसमक्ष सिफारिस करबाक निर्णय केलक अइछ । राष्ट्रियसभामे हाल एक विज्ञ सदस्यमे हुनक नाम सिफारिस भेल अइछ ।
स्थायी सदनके रुपमे रहल ५९ सदस्यीय राष्ट्रिय सभामे तीन व्यक्तिकेँ मन्त्रिपरिषद्के सिफारिस राष्ट्रपतिसँ सदस्यमे मनोनीत करबाक संवैधानिक प्रावधान अइछ । सङ्घीय संसद्मे उपरका सदन राष्ट्रियसभा सदस्यके कार्यकाल ६ वर्षके रहबाक संवैधानिक व्यवस्था अइछ। राष्ट्रियसभाक एक तिहाइ सदस्यके बितल माघ ११ गते निर्वाचन भेल छल । रासस





